दरभंगा केँ आसी गाम म' मिथिला विभूति पर्व सह पुस्तक लोकार्पण समारोह संपन्न भेल

दरभंगा। 30 नवम्बर। दरभंगा जिला केँ आसी गाम म' आय मिथिला विभूति पर्व सह पुस्तक लोकार्पण समारोह केर आयोजन कायल गेल छल। समारोह म' उपस्थित मुख्य अतिथि डॉ. जयप्रकाश चौधरी जनक कहला कि कोसी क्षेत्र म' एहितरहक कार्यक्रम केर आयोजन सँ नवा पीढ़ी केँ लोग सभ म' अप्पन मातृभाषा केर प्रति चेतना जागृत हेतैन्ह। समारोह कार्यक्रम केर उद्घाटन करैत साहित्यकार व पत्रकार मणिकांत झा कहला कि एहि समारोह कार्यक्रम केँ आयोजन सँ हम सभ अप्पन विभूति लोकनि क' याद करि हुनक अवदान सँ परिचित होयत छी। 

एहि कार्यक्रम म' शंभुनाथ मिश्र रचित कविता संग्रह प्रसून सुवास  पुस्तक केर लोकार्पण करैत डॉ. अशोक कुमार मेहता कहला कि मैथिली साहित्य केर भंडार बहुत समृद्ध अछि।  ऐहिकें सुवासित करबा म' प्रसुन सुवास जेहेन पुस्तक बहुते सहायक सिद्ध होयत। 

विष्णुदेव झा विकल केर अध्यक्षता म' आयोजित एहि कार्यक्रम म' विनोद कुमार झा, चन्द्रकुमार झा , श्याम बिहारी राय सरस सहित बहुतो लोकनि अप्पन विचार व्यक्त केलन्हि। एहि अवसर पर आयोजित कवि सम्मेलन म' शारदानंद सिंह , कौशलेश चौधरी, संजीव कुमार मिश्र सहित दर्जन भरी सँ बेसी कवि लोकनि अप्पन रचना प्रस्तुत केलन्हि। मिथिला विभूति पर्व म' आयोजित रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम म' दीपक कुमार झा, डॉ.  सुष्मा झा, केदार नाथ कुमर, गौरी कांत झा, अजय सुमन, अर्जुन झा सहित अनेको कलाकार लोकनि अप्पन प्रस्तुति सँ दर्शक सभक मन मोहि  लेलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ