दरअसल, पप्पू यादव नोटबंदी केँ बाद किसान सभ क' भ' रहल परेशानी क' दर्शाबे चाहैत छला। ओ एहि माध्यम सँ दर्शेला कि नोटबंदी केर कतेक असर किसान पर पड़ी रहल छैन्ह। पप्पू केर छिट्टा म' फूल कोबी आर हाथ म' सजमैन छलैन्ह। सांसद जखन माथ पर तरकारी ल' धुमैत छला तखन हुनका संग सैकड़ों समर्थक सेहो छलैन्ह।
पप्पू यादव केँ कहब छैन्ह कि जखन ओ बिहारशरीफ आबैत छला ओहि समय तरकारी विक्रेता सभ हुनका घेर लेना छलैन्ह आर अप्पन व्यथा सुनेना छलैन्ह। पप्पू यादव वर्तमान परिवेश म' नबका नोट अएलाक बाद भ' रहल परेशानी के लेल केंद्र सरकार के ऊपर हमला केलन्हि। ओ कहलनि कि भारत वर्ष म' सभसँ बेसी काला धन नेता आर ब्यूरोक्रेट्स सभक लग छैन्ह। जाहि पर कुनु कार्रवाई नहि भ' रहल अछि आर एहिमें सभसँ बेसी परेशानी गरीब व किसान सभ क' भ' रहल छैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।