मुंगेर। 23 नवम्बर। मुंगेर केँ एक व्यवसायी ए सिंह अप्पन चार्टेड प्लेन म' कैश 5.5 करोड़ टक्का केर संग नागालैंड के दीमापुर एयरपोर्ट पर गिरफ्तार भेला। कैल्ह मंगलवार के दुपहर जखन सिंह केँ चार्टेड प्लेन उग्रवाद प्रभावित नागालैंड केँ दीमापुर एयरपोर्ट पर पहुँचलन्हि तेँ सीआईएसएफ केर अधिकारि जांचक दौरान हुनका नगदी संग हिरासत म' लेलन्हि।
अपने क' बता दी कि देश भरी म' नोट बंदी के बादो सिंह लग सँ पुरनका नोट एतेक मात्रा म' जब्द कायल गेल अछि। केंद्रीय जांच एजेंसि आर सीआईएसफ केर अधिकारी हुनका सँ पूछताछ क' रहल अछि।
मुंगेर केँ व्यवसायी ए सिंह कैल्ह भोर हरियाणा केँ सिरसा सँ चार्टेड प्लेन द्वारा पैसा संग नागालैंड लेल चलल छलाह। सीआईएसफ केर अधिकारि क' ऐहिक सूचना भेटलन्हि कि सिंह लग भारी मात्रा म' पुरनका नोट छैन्ह। प्लान अनुसार सुरक्षा बल क' पहिने सँ अलर्ट क देल गेल छल। जहिना प्लेन दीमापुर म' लैंडिंग भेल, सुरक्षा बल हुनका घेर लेलन्हि। फेर, जांचक दौरान नगदी बरामद भेल। बताओल जे रहल अछि प्राप्त पैसा उग्रवादी संगठन मंगेना छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।