नीतीश कुमार आर बीजेपी केँ बढ़ैत नजदीकी सँ लालू बेचैन

पटना। 28 नवम्बर। बिहार केँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आर बीजेपी केँ बीच अंदरूनी बातचीत केँ अटकला सँ बिहार म' महागठबंधन केँ सहयोगि सभ म'बेचैनी अछि। एहि बीच आरजेडी चीफ लालू प्रसाद यादव कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी सँ फोन पर बातचीत केलन्हि। कांग्रेस सँ जूड़ल सूत्र  पुष्टि केना अछि कि कैल्ह रविवार क' लालू - सोनिया केँ बिच एहि गंभीर मुद्दा पर बातचीत भेलन्हि। एहि दौरान बिहार कांग्रेस अध्यक्ष अशोक चौधरी सेहो लालू केँ संगे छलाह। 

सूत्र केर मुताबिक नई दिल्ली सँ पटना पहुंचला पर  अशोक चौधरी सीधे लालू के घर पहुँचलन्हि हुनका संग नोटबंदी केँ बादक सियासी हालात पर बहुत देर धरी चर्चा केलन्हि। ऐहिक बाद लालू कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी सँ फोन पर बातचीत केलन्हि। हालांकि, आरजेडी प्रवक्ता चितरंजन गगन चुप्पी साधने छैथ। ओ लालू आर अशोक चौधरी केँ मुलाकात पर सेहो टिप्पणी करबा सँ इनकार क' देलन्हि। 

गौरतलब अछि कि नोटबंदी केर मुद्दा पर नीतीश कुमार जाहि तरहे खुलीकेँ मोदी सरकार केर समर्थन क' रहल छैथ जाहिसँ कैको सियासी मायना निकालल जे रहल अछि। नीतीश कुमार नोटबंदी केँ मुद्दा पर आय सोमवार दिन विपक्षी दल सभक 'भारत बंद' या 'आक्रोश रैली' सँ सेहो अप्पन पटरी क' दूर राखला। हुनकर एहेन रुख सँ महागठबंधन के सहयोगि सभ म' बेचैनी अछि कि कहीं नीतीश फेर सँ से सहयोगी बीजेपी केँ हाथ तेँ नहि पकड़े जे रहल छैथ। कांग्रेस केँ एक वरिष्ठ नेता स्वीकार केलन्हि कि नोटबंदी केर खुलीकेँ विरोध क' रहल आरजेडी आर कांग्रेस ई बुझबाक प्रयाश क' रहल अछि कि आखिर कुन कारण सँ नीतीश एक बेर फेरसँ बीजेपी केँ करीब जेबा लेल मजबूर छैथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने