दिल्ली मे होयत "मैथिल महा - सम्मेलन"

दिल्ली। 28 नवम्बर। कैल्ह 27 - नवंबर 2016 (रवि दिन) दिल्लीक गोविन्दपूरी मे मिथिलाराज्य संदर्भित एकटा गोष्ठी सम्पन्न भेल। गोष्टि मे मुख्य अतिथि वरिष्ठ मिथिला आन्दोलनी प्रोफ़ेसर उदय शंकर मिश्र आ पंडित राम नारायण झा छलाह। 

जानकारी के अनुसार, गोष्ठि के अध्यक्षता कृपा नन्द झा आ संचालन आनंद झा कलैन्हि। गोष्ठीक मुख्य मुद्दा "मिथिला आंदोलनक वर्तमान ओ भविष्य"छल जाहि पर मुख्य वक्ता प्रोफ़ेसर उदय शंकर मिश्र, पंडित राम नारायण झा आ बीरबल यादव अप्पन अप्पन विचार विस्तार पूर्वक रखलन्हि। 

आन्दोलनक वर्तमान ओ भविष्य कोन तरहक प्रयास सँ ठोस काएल जा सकैछि आ भूत मे कतय कतय चुक भेल ताहि पर रोहित यादव, मनोज झा, रंजीत लाल दास सेहो अप्पन अप्पन विचार देलन्हि। हिनका सभक अलावा सुरेंद्र झा, मोहन राज झा आ रंजीत यादव सेहो अप्पन अप्पन बात रखलन्हि। 

गोष्ठी के बीच मे 2017 के प्रथम तीन मास के भीतर एकटा "मैथिल महा-सम्मलेन" करबाक बात तय भेल। जानकारी अनुसार अहि महा-सम्मेलनक संयोजन बीरबल यादव ओ संरक्षण कृपा नन्द झा ओ पंडित राम नारायण झा करता ताहि पर सामूहिक सहमति बनल। 

अंत मे कृपा नन्द जी के अध्यक्षीय विचार के बाद गोष्ठीक विधिवत समापन भेल। गोष्ठीक दुन्नु मुख्य अतिथि के बीरबल यादव् आ आंदोलनक नव-कार्यकर्ता रंजीत यादव पाग-दोपटा सँ सम्मानित सेहो कलैन्हि। 

गोष्ठि मे हिनका सभक अलावा, सत्रुघ्न यादव, राजन कुमार यादव, अमेलश मण्डल, कृष्णा नन्द झा, बैजू बावरा सेहो शामिल छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ