रिश्ता भेल शर्मसार, जीजा द्वारा साला क' जिंदा जलेबाक कोशिश नाकाम

पटना। 13 अक्टूबर। राजधानी म' रिश्ता क' शर्मसार कराइ बला एक घटना सामना आयल अछि। दरअसल कंकड़बाग थाना क्षेत्र केर चांदमारी रोड म' एक जीजा पर अप्पन साला क' जिंदा जला क' मारबाक कोशिश केर आरोप लागल अछि। जानकारी केर मुताबिक जीजा अप्पन साला संग  देर राति शराब पिलनी आर एहि दैरान कुनु बात पर दुनु म' झगड़ा शुरु भ गेलनि। देखते - देखते बात बढ़ी गेल कि जीजा अप्पन साला केर ऊपर पेट्रोल छिड़की आगि लगा देलन्हि।

हंगामा सुनी स्थानीय आर परिजन केर सहयोग सँ आगि बुझाओल गेल।  एहि दौरान पीड़ित बुरी तरह आगि सँ झुलसी गेलाह। हुनका इलाज के लेल पीएमसीएच म' भर्ती कराओल गेल। ओतहि घटना के बाद सँ आरोपी जीजा फरार बताओल जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने