स्वच्छता अभियान केर जनक छलाह राम मनोहर लोहिया : नीतीश कुमार

पटना। 13 अक्टूबर। भलहिं प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर शुरू कायल गेल स्वच्छता अभियान केर सभ दिस चर्चा होएत अछि, मुदा बिहार केर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक मानी तेँ स्वच्छता अभियान केर जनक समाजवादी नेता राम मनोहर लोहिया छलाह।

कैल्ह बुधवार दिन राम मनोहर लोहिया केर पुण्यतिथि केर मौका पर  हुनक मूर्ति पर हार चढ़ेबाक बाद मीडिया सँ बात करैत नीतीश कुमार कहला कि आय भलहिं स्वच्छता अभियान क' बहुत बेसी हाइलाइट कायल जे रहल अछि। लेकिन राम मनोहर लोहिया पहिल नेता छलाह जे 50 केर दशक म' स्वच्छता पर जोर देहाल आर एहि केर मुद्दा उठेला।

लोहिया केर अनुयायी रहल नीतीश कहला कि 'लोहिया एक बेर पंडित जवाहर लाल नेहूरू सँ कहने छला कि अगर अहाँ हर गाम आर शहर म' टॉइलट बनवा देब तेँ हम अहाँक विरोध करब छोईड़ देब।' अनुभवी समाजवादी नेता लोहिया सदिखन कहैत छलाह कि महिला सभ क'  खुला म' शौच के लेल जाय परैत छैन्ह इ सभ सँ पैघ श्राप थीक। नीतीश कुमार आगा कहला कि बिहार स्वच्छता अभियान केर अनुसरण करत लेकिन लोहिया केर याद म' एहि केर नाम 'लोहिया स्वच्छ बिहार' होयत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ