कश्मीर म' 13 साल बाद बड़का एनकाउंटर, 56 घंटा म' 2 टेररिस्ट ढेर

श्रीनगर। 13 अक्टूबर।  घाटी म' पिछला 13 साल बाद सभ सँ पैघ  एनकाउंटर कैल्ह बुधवार दुपहर खत्म भेल। पंपोर केर एक सरकारी इंस्टीट्यूट केर बिल्डिंग म' सोमवार दिन भोर म' आतंकी नुकायल छल। ओतहि सँ 60 कमरा म' नुका - नुका के' आतंकी फायरिंग करैत छल।

56 घंटा चलल एनकाउंटर म' आर्मी कमांडोज दुइ आतंकी क' माइर गिरेलन्हि। कार्रवाई म' दुइ जवान सेहो जख्मी भेलाह। अपने क' बता दी कि 9 महीना पहिने सेहो आतंकी सभ एहि बिल्डिंग पर हमला केना छल। घाटी म' एहि सँ पहिने सभ सँ लंबा एनकाउंटर 2003 म' भेल छल। ओहि समय श्रीनगर के इंदिरा नगर स्थित कैंटोनमेंट म' घुसल आतंकी आर  आर्मी केँ बीच 72 घंटा फायरिंग भेल छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ