मिथिलांचल केँ इ इलाका अछि आतंकी संगठन सभक पसंदीदा जगह

दरभंगा। 08 अक्टूबर। पीओके म' सर्जिकल स्ट्राइक के बाद आतंकि सभक   नेपाल केर रास्ते धुसपैठ केर आशंका सँ देश केर विभिन्न जांच एजेंसि सभ मिथिलांचल म' अप्पन सक्रियता बढ़ा देना अछि। मिथिलांचल केर किछ इलाका इंडियन मुजाहिद्दीन केर सेफ जोन रहल अछि।

खुफिया अलर्ट केँ चलते एनआइए, चंडीगढ़ एटीएस, मुंबई एटीएस व बंगाल एटीएस केर टीमक संगे - संग सीआइबी केर टीम सेहो पूरा  मिथिलांचल पर पैनी नजरि राखने अछि। एहि सभ एजेंसि केर फाइल म' कैको एहेन उदाहरण अछि जाहिमेँ आतंकी हमला केर तार दरभंगा व मधुबनी सँ जुङल अछि।

हाल म'  एनआइए केँ एक टीम दरभंगा, मधुबनी व भारत-नेपाल सीमा केर  दौरा केना छल। जखन की दोसर  टीम एखन जांच म' जुटल अछि। ओतहि  गुरुवार दिन वर्धवान बम ब्लास्ट म' वांछित युसूफ मौलाना आ ओकर चारि सहयोगि सभक गिरफ्तारी के बाद बंगाल एटीएस केर नजरि सेहो एम्हर लागल अछि। स्थानीय पुलिस अधिकारि सभ एहि बारे म' चुप्पी साधने छैथ।

इंडियन मुजाहिद्दीन प्रमुख यासीन भटकल केर गिरफ्तारी के बाद आइएम केर दरभंगा कनेक्शन उजागर भेल छल। यासीन अहिठाम बहुतो दिन धरी रहल छल। जांच एजेंसि सभक दबाव केँ बाद ओ भागी क' नेपाल चल गेल छल।

भटकल केँ दाहिना हाथ मानल जाय बला समस्तीपुरक कल्याणपुर निवासी तहसीम अख्तर उर्फ मोनू संगठन म' युव सभ क' जोड़बाक काज करैत छैथ। मोनू दरभंगा म' पढ़ाई करैत छलाह। इये चकजोहरा निवासी मो. दानिस क' भटकल सँ मिलबेना छला।

इयो कहल जायत अछि कि दरभंगा, समस्तीपुर व मधुबनी म' जतेक संदिग्ध पकड़ाओल गेल सभक कनेक्शन लहेरियासराय थाना क्षेत्र स्थित एक उर्दू पुस्तकालय सँ अछि। सभ एतहि आबैत छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ