शराब सँ भरल 160 कार्टन संग दुइ आरोपी गिरफ्तार

मधुबनी। 10 अक्टूबर। शहर केँ लहेरियागंज क्षेत्र म' कैल्ह रविवार दिन पुलिस द्वारा दुइ लोग क' गिरफ्तार कायल गेल। आरोपी लग सँ शराब सँ भरल 160 कार्टन सेहो जब्त कायल गेल अछि।

पुलिस अधीक्षक श्री दीपक बर्नवाल कहला कि लहेरियागंज क्षेत्र म' जयहिंद साह केर घर छापा मारल गेल आर हुनका लग सँ 3.09 लाख टक्का कीमत केर शराब सँ भरल 135 कार्टन जब्त कायल गेल। साह के घर पर छापा एक गाड़ी ड्राइवर राज कुमार यादव केर सूचना पर मारल गेल छल।

कैल्ह भोर एहि इलाका सँ गाड़ी ड्राइवर राज कुमार यादव क' गिरफ्तार कायल गेल छल आर हुनकर गाड़ी सँ शराब सँ भरल 25 कार्टन जब्त कायल गेल छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ