सहरसा : बिहार सरकार केँ बदला आब केंद्र सरकार बंगाली बाजार म' ओवरब्रिज केर निर्माण कराओत

सहरसा। 08 अक्टूबर। शहर केँ बंगाली बाजार म' ओवरब्रिज निर्माण हेतु बिहार सरकार द्वारा डीपीआर बनेबा म' हाथ ठाढ़ करबाक बाद आब केन्द्र सरकार सीधे ओवरब्रिज केर निर्माण कराओत। संगहि डुमरी पर नबका पुलक निर्माण हेको होयत। इ जानकारी सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव देलाह। केन्द्रीय सड़क परिवहन मंत्री सँ मुलाकात केँ बाद सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहला कि तीन गोट नबका एनएच केर स्वीकृति सेहो भेटल अछि जाहिकेँ शिलान्यास नवंबर माह के अंतिम सप्ताह म' कायल जायत।

सांसद श्री यादव कहला कि आलमनगर सँ पतरघट, सोनवर्षा, बैजनाथपुर सँ सरहोचिया तक, दरभंगा केँ तीरथपुर सँ नवहट्टा होयत सिहेश्वर तक एनएच केर निर्माण कायल जायत। एनएच केँ निर्माण लेल कोसी नदी पर नबका पुल सेहो बनाओल जायत। एहि केर अलावा माली चौक सँ फुलौत तक केँ सड़क एनएच म' तब्दील भ' गेल अछि। आंगा ओ कहला कि भारत सरकार के बारम्बार आग्रह केर बावजूद बिहार सरकार बंगाली बाजार ओवरब्रिज केर डीपीआर नै बना सकला। बिहार सरकार द्वारा डीपीआर नै बनेबाक बाद केन्द्र सरकार आब सीधे डीपीआर बना निर्माण शुरू करेबाक स्वीकृति द' देना अछि। एनएचआई केर टीम राजेश मार्थो के नेतृत्व म' एहि दिशा म' कार्रवाई सेहो शुरू भ' गेल अछि।

अपने क' बता दी बंगाली बाजार म' ओवरब्रिज निर्माण हेतु तीन बेर शिलान्यास भेलाक बावजूत एखन धरी ओवरब्रिज केर निर्माण नै भेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ