LoC पार करि भारत आतंकी ठिकाना पर कएलनि हमला, कैको आतंकी ढेर

दिल्ली। 29 सितंबर। भारत आर पाकिस्तान के बीच मौजूद नियंत्रण रेखा पर कैल्ह बुधवार दिन आधा राति म' शुरू भेल भारतीय सेना केर सर्जिकल हमला आतंकवादि सभक खिलाफ छल, जे भारत म' आतंकी हमला करबाक साज़िश रची रहल छल। सूत्रक मुताबिक, सर्जिकल हमला आय गुरुवार भोर 4:30 बजे तक चलल। मिलल जानकारी केर मुताबिक, केंद्र सरकार एहि ऑपरेशन केँ बारे म' शीर्ष राजनेता आर मुख्यमंत्रि सभ क' पहिने बता देना छल।

सर्जिकल हमला सँ जुड़ल 10 खास बात। 


  1. सेना केर मुताबिक़ सर्जिकल हमला केँ  दौरान भारतीय सेना पाकिस्तानी इलाका म' 500 मीटर सँ 2 किलोमीटर धरी भीतर पहुँचल।
  2. अलग-अलग सेक्टर म' 6 सँ 8 आतंकवादी लॉन्च पैड क' निशाना बनाओल गेल। 
  3. ज़मीनी फौज आर हेलीकॉप्टर म' सवार जवान सभक जरिया इ हमला कायल गेल। पैरा-कमांडो केर उपयोग सेहो हमला म' कायल गेल।
  4. सेना केर दावा अछि कि सर्जिकल हमला म' बहुत रास आतंकवादी, आतंकवादी केर गाइड आर हैन्डलर मारल गेल।
  5. सेना केर मुताविक, आतंकवादि सभक इरादा जम्मू एवं कश्मीर संगहि  मेट्रो शहर म' हमला करबाक छल।
  6. एहि आतंकी लॉन्च पैड पर पिछ्ला एक सप्ताह सं निगरानी राखल जे रहल छल।
  7. नियंत्रण रेखा पर भारतीय वायुसेना समेत सभ मौजूद सेना सभ क' हाई अलर्ट पर राखल गेल अछि। 
  8. सूत्रक मुताबिक़, सीमा के निकटवर्ती गाम सभ क' सावधानीवश खाली कराओल जे रहल अछि। 
  9. केंद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह सर्जिकल हमला केर बारे म' मुख्यमंत्रि आर वरिष्ठ राजनेता सभ क' पहिने बता देना छल। 
  10. सरकार सर्जिकल हमला केर जानकारी राष्ट्रपति डॉ. प्रणब मुखर्जी, उपराष्ट्रपति हामिद अंसारी, पूर्व प्रधानमंत्री डॉ मनमोहन सिंह क' सेहो देना छल। आगा केर रणनीति लेल आय सांझ एक सर्वदलीय बैठक बजाओल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

2 टिप्पणियाँ

  1. ई भारत क तरफ स मुहतोड़ जबाब देल गेल अछि। आब पाकिस्तान क आतंकबादी भारत क सीमा म घुसै स पहिने १०० बेर सोचत। जय हिन्द ! जय हिन्द क सेना !!

    जवाब देंहटाएं
  2. ई भारत क तरफ स मुहतोड़ जबाब देल गेल अछि। आब पाकिस्तान क आतंकबादी भारत क सीमा म घुसै स पहिने १०० बेर सोचत। जय हिन्द ! जय हिन्द क सेना !!

    जवाब देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।