समस्तीपुर : ऑटो आर बाइक केँ सीधा टक्कर म' बाइक पर सवार भाई संगे दुइ बहिनक मौत

समस्तीपुर। 29 सितंबर। समस्तीपुर थाना क्षेत्र केर केवटा चौक लग  दलसिंहसराय विद्यापतिनगर सड़क पर कैल्ह ऑटो आर बाइक केँ सीधा टक्कर म' बाइक पर सवार भाई आर बहिन केर मौत भ' गेलन्हि, जखनकि गंभीर रूप सँ घायल छोटी बहिन क' अनुमंडल अस्पताल म' इलाज केँ लेल  भर्ती कराओल गेलन्हि। गंभीर अवस्था म' हुनका पीएमसीएच रेफर करल गेलन्हि। बाद म' इलाजक दौरान हुनकर सेहो  मौत भ' गेलन्हि। मृतक सभक पहचान विद्यापतिनगर केर मऊ दक्षिण गाम निवासी उमाशंकर चौधरी केर पुत्र व पुत्री केँ रूप म' कायल गेल अछि।

जानकारी केर मुताबिक उमाशंकर चौधरी केँ पुत्र अमरेंद्र कुमार चौधरी (24) रोसड़ा म' फूफा महेंद्र चौधरी केर श्राद्ध कर्म म' शामिल भ' वापस अप्पन घर मऊ बाजार बाइक सँ आबैत छलाह। बाइक पर हुनकर दुइ बहिन ज्योति कुमारी (21) एवं मोनिका कुमारी (18) सेहो बैसल छलीह।

एहि क्रम म' दलसिंहसराय विद्यापतिनगर सड़क पर केवटा चौक लग विद्यापतिनगर दिस सँ आबैत बिना नंबर केर एक ऑटो बाइक म' सीधी टक्कर मैर देलनि। जाहि सँ बाइक पर सवार दुइ बहिन म' ज्योति कुमारी केर मौत घटना स्थल पर भ' गेलनि। गंभीर रुप सँ घायल बाइक चला रहल  अमरेंद्र कुमार चौधरी व हुनकर छोटी बहिन मोनिका कुमारी क' स्थानीय लोगक मदद सँ अनुमंडल अस्पताल पहुचाओल गेल। जता पहुँचते अमरेंद्र कुमार चौधरी  दम तोईड़ देलन्हि। गंभीर रूप सँ घायल मोनिका क' अस्पताल प्रशासन इलाज लेल पीएमसीएच रेफर केलनि। जता उपचार केर क्रम म' हुनकर मौत भ' गेलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ