मिथिला स्टूडेंट यूनियन कएलक पाकिस्तानी प्रधानमंत्री के पुतला दहन




दिल्ली : 26 सितम्बर : दिल्ली के जंतर-मंतर पर उरी में भेल आतंकवादी घटना क' विरोध में मिथिला स्टूडेंट यूनियन पाकिस्तानी प्रधानमंत्री क' पुतला दहन कएला एवं कैंडल मार्च निकैल देश के लेल शहीद भेल सैनिक क' मृत आत्मा क' शांति के लेल 2 मिनटक' मौन राखला। यूनियन क' कार्यकर्ता प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी से अपील कएला की हमरा इजराइल एहन देश सs सिख लेबाक चाहि । भारत सेहो आब जवाब दे,  नै त हमर सैनिक क' शहादत बेकार चली जाएत। एही कार्यक्रम में दिल्ली अध्यक्ष राहुल मिश्र,उपाध्यक्ष अविनाश,कोषाध्यक्ष मुकेश यादव,मनोज यादव,संतन चौधरी सहित दर्जनों कार्यकर्ता उपस्थिति छलाह ।    

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ