लगातार बारिश सँ जनजीवन अस्त-व्यस्त

मधुबनी। 26 सितंबर। गत तीन दिन सँ भ' रहल बारिश सँ जनजीवन अस्त-व्यस्त भ' गेल अछि। शहर म' जगह-जगह मुहल्ला व कॉलोनि सभ म' पैन भरबाक कारण आवाजाही म' बहुत परेशानी भ' रहल अछि। शहर के दक्षिणी-पश्चिमी क्षेत्र म' कैको मुहल्ला म' एक सँ दुइ फीट धरी पैनक जमाव भेला सँ लोग सभ क' घर सँ निकलब दुर्लभ भ' गेल छैन्ह।

देर सँ सही मुदा जिला भरी म' भारी वर्षा भेला सँ बिलंब सँ रोपल गेल धानक फसल क' एहि बारिश सँ बहुत फायदा भेल अछि। जिला म' पिछला मास तक 70 प्रतिशत धान केँ रोपनी किसान सभ अल्पवृष्टि व बोरिंग सँ केना छलाह जे बीच म' पैनक अभाव म' सूखे लागल छल। पिछले दिन भेल बारिश सँ जाहि के जीवनदान भेटल। किसान सभ क' धानक फसल नीक होयबाक उम्मीद छैन्ह।

एक दिस बारिश सँ किसान सभ खुश छैथ ओतहि दोसर दिस लागातार होइत बारिश शहर केर सूरत बिगैर देना अछि। शहर केँ तिरहुत कॉलोनी, गदीयानी, आदर्श नगर, विनोदानंद कॉलोनी, भौआड़ा, हनुमान नगर, प्रगति नगर,भूप नारायण कॉलोनी आदि म' स्थिति विकट अछि। तिरहुत कॉलोनी म' पैनक निकासी केर व्यवस्था नै होयबाक कारण जलजमाव भेला सँ स्थिति भारी विकट अछि। इये हाल आन सभ कॉलनि के अछि।  सबसे विकट भौआड़ा मुहल्ला केर स्थिति अछि। एता दुइ फुट पैन सड़क पर जमा अछि। एहिठाम दुइ दर्जन से बेसी घर म' बारिश केँ पैन प्रवेश क' गेल अछि। एहि मुहल्ला म चचरी पुल के सहारे लोग आवागमन क' रहल छैथ। नगर परिषद प्रशासन जल निकासी लेल गंभीरता नै देखा रहल अछि।

नदी जलग्रहण क्षेत्र व नेपाल केँ पहाड़ि म' लगातार जारी वर्षा सँ नदि सभक जलस्तर म' वृद्धि भ' रहल अछि। जयनगर व झंझारपुर म' कमला नदी केर जलस्तर निरंतर बढ़ी रहल अछि। बेनीपट्टी सँ पश्विम क्षेत्र म' कैको जगह नाह सँ लोग आवागमन क' रहल छैथ। कोसी व भूतही बलान केँ जलस्तर सेहो बढ़ी रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ