पूर्णिया एहेन शहर म' नै अछि एको गोट सार्वजनिक शौचालय

पूर्णिया। 26 सितंबर। एक दिस केन्द्र सरकार स्वच्छ भारत मिशन  अभियान चला अछि, ओतहि दोसर दिस केन्द्र सरकार के डेग सँ डेग मिला क' चली रहल राज्य सरकार सेहो महिला सभक सुविधाक लेल घर-घर शौचालय बनबा रहल अछि। मुदा, आश्चर्य केर गप अछि कि पूर्णिया शहर म' एको गोट सार्वजनिक शौचालय नै अछि। रेलवे स्टेशन, बस स्टैंड पर आबै - जाय बला यात्रि सभ क' खासकरि महिला व स्कूल - कॉलेज जाय बाली छात्रा सभक लेल पूरा शहर म' एको गोट शौचालय नै होयब पूरा सिस्टम पर सवाल ठाढ़ करैत अछि।

कहबाक लेल तेँ पूर्णिया नगर निगम सेहो अछि आर 46 वार्ड बला एहि  नगर निगम म' पौने तीन लाख केर आबादी बसैत अछि। प्रमंडल केँ सबसँ पैघ बाजार व मेडिकल हब होयबाक नाते पूर्णिया शहर म' रोजाना 25-30 हजार महिला-पुरूष केर विजिट होयत अछि। पुरनका रैन बसेरा म' शौचालय छबो करे तेँ बेकार पड़ल अछि आर बकायदा नगर निगम केर ताला लटकल अछि। ओना नगर आयुक्त केँ कहब अछि कि छह स्थान पर प्रसाधन बनाओल जायत जाहि जगह क' चिन्हित क' लेल गेल अछि।

नगर आयुक्त श्री सुरेश चौधरी कहला कि गत स्थायी समिति केर बैठक म' महिला सभक सुविधा लेल शौचालय निर्माण करेबाक निर्णय लेल गेल अछि। स्वच्छ भारत मिशन केर तहत पूरा शहर म' दर्जन भरी शौचालय केर निर्माण कराओल जायत जाहि म' महिला व पुरुष केँ लेल अलग-अलग व्यवस्था होयत। नगर आयुक्त कहला कि बाजार म' महिला सभ क' भ' रहल असुविधा क' गंभीरतापूर्वक लैत छह स्थान क' चिन्हित कायल गेल अछि जाहिठाम शौचालय बनाओल जायत। जाहि म' आरएन साह चौक पर यातायात थाना के बगल म', सदर अस्पताल गेट, जिला स्कूल केर बाउंड्रीक भीतर, पूर्णिया जंक्शन, जीरोमाईल चौक आर बाजार समिति गेटक सामने केँ जगह चिन्हित कायल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ