-----------------------
जितिया सन पाबनि देश मे ने आन छै
माँछ संग मरूआ एकर पहचान छै
मरूआ रोटी संग मारा ओ गैंची
खरि तेल चढ़नि से सरिसो की रैंची
झीमनीक पात के सेहो विधान छै
जितिया सन पाबनि देश मे ने आन छै ।
अध रतिए मे दाइ माइ के ओंगठन
धीया पुता सब लागय जेना टनमन
चूड़ा दही संग अमोटक ओरियान छै
जितिया सन पाबनि देश मे ने आन छै ।
चील्हो सियारक कथा केर वाचन
डाली सजा कय नदी तीर आसन
मणिकांत देवता ई जिमूत वाहन छै
जितिया सन पाबनि देश मे ने आन छै ।
मणिकांत झा , दरभंगा ।
२२-०९-१६
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।