दरभंगा। 29 अगस्त। दरभंगा स्टेशन पर कैल्ह रवि दिन जीआरपी द्वारा भारी मात्रा म' विदेशी शराब बरामद करैत एक कारोबारी महिला क' गिरफ्तार कायल गेल। गिरफ्तार महिला श्रीमती देवी सीतामढ़ी जिला केँ बाजपट्टी गाम निवासी स्व. चुल्लहाई मुखिया केँ विधवा छथि।
पुलिस महिला लग सेँ साढ़े सात सौ एमएल बला 90 बोतल कोलकाता निर्मित देसी शराब बरामद केलन्हि। बताओल जायत अछि कि महिला कोलकाता सेँ बराबर शराब आनबाक काज करैत छथि। किनको शक नै होय एहिलेल ओ हर बेर पोटरी म' बैन्ह के शराब आनैत छलीह।
गंगासागर ट्रेन केँ आगमन भोर म' होयबाक महिला सदिखन एहि ट्रेन सँ शराब आनैत छली। लेकिन, ऐहिक सूचना पुलिस क' पहिने भेल गेल छल। जाहि कारण स्टेशन पर पहिने सँ पुलिस तैनात छल। मुदा, अवैध कारोबारी महिला एतेक शातिर छली कि ओ पुलिस क' चकमा द प्लेटफार्म सँ बाहर निकैल गेली। मुदापुलिस हुनकर पाछा करैत पोटरी के संग हुनका पकैड़ लेलनि। थानाध्यक्ष सुमन प्रसाद सिंह कहला कि आरोपी महिला क' न्यायिक हिरासत म' भेजल गेल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।