मधुबनी। 29 अगस्त। प्रखंड क्षेत्र के दुधिया मोइन मेँ कैल्ह रवि दिन एक युवतीक हेलैत शव देख सनसनी फैल गेल। लड़की केँ उमर 17-18 बरख होयबाक अनुमान अछि। हुनका गर्दैन मेँ सूजन आर गाल पर नाखून केँ निशान देखल गेल।
अनुमान लगाओल जायत अछि कि कियो हुनकर हत्या करि मोइन मेँ फेकना छैन्ह। कैल्ह भोरे जखन लोग सभ मोइन लग शौच लेल पहुँचल तेँ शव के पता चलल। दिन केँ 10 बजे जखन लोग सभ अप्पन महिष केँ पैन पियाबे ओहिठाम पहुंचला तेँ शव क' पैन मेँ हेलैत देखलनि। सूचना भेटते बिस्फी थानाध्यक्ष पहुँच शव केँ अप्पन कब्जा म' ल पोस्टमार्टम लेल मधुबनी भेज देलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।