सहरसा। 29 अगस्त। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आर पर्यटन विभाग, बिहार सरकार केँ पहल सँ सहरसा जिलाक महिषी गाम मेँ शुरू कायल गेल तीन दिवसीय उग्रतारा महोत्सव एहि बरख 2 अक्तूबर सेँ 4 अक्तूबर धरी मनाओल जायत।
कोसी क्षेत्र केँ सांस्कृतिक व धार्मिक विशिष्टता क' पर्यटन केँ मानचित्र पर स्थापित करबाक उद्देश्य सँ महिषी केँ उग्रतारा धाम म' पिछला चारि बरख सँ नवरात्रि केँ मौका पर श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केँ आयोजन निरंतर भ' रहल अछि।
हर बरख जोका अहियो बरख केँ आयोजन क' सफल बनेबाक लेल आयोजन समिति केर बैसार भेल। पर्यटन विभाग व जिला प्रशासन केँ सौजन्य सँ आयोजित होय बला श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव क' अहियो बरख सफलता पूर्वक आयोजित करबाक निर्णय बैसार म' कायल गेल। प्रभारी डीएम उदय कृष्ण केँ अध्यक्षता म' आयोजन समिति सँ जुड़ल अधिकारी व विभिन्न क्षेत्र सँ जुडल लोग सँ महोत्सव के सफल आयोजन लेल विचार विमर्श कायल गेल।
बैसार मेँ सदर एसडीओ मो जहांगीर आलम, एसडीपीओ सुबोध कुमार विश्वास, ओएसडी अनिल पांडे, वरीय उप समाहर्ता जनार्दन कुमार, सिविल सर्जन डॉ अशोक कुमार सिंह, डीपीआरओ बिंदुसार मंडल, उग्रतारा न्यास समिति के प्रमील मिश्र,नारायण चौधरी, वाचस्पति झा, जिप सदस्य सह भाकपा जिला सचिव ओमप्रकाश नारायण, समाज सेवी कुमार हीरा प्रभाकर, जिप उपाध्यक्ष छत्री यादव, जिला निबंधन पदाधिकारी चंद्र प्रकाश, कर्मी मुक्तेश्वर सिंह मुकेश सहित बहुतो रास गणमान्य उपस्थित छलाह।
तीन दिवसीय उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केँ उद्घाटन नवरात्र केँ दोसर दिन यानी 2 अक्टूबर क' होयत। 4 अक्टूबर तक चले बला एहि महोत्सव म' विविध सांस्कृतिक कार्यक्रम केँ आयोजन केँ संगे - संग मंडन धाम महिषी म' सेमिनार के आयोजन सेहो होयत। स्थानीय राजकमल क्रीड़ा मैदान म' महोत्सव केँ तीनो दिन स्थानीय व बाहरी नामचीन कलाकार सभ द्वारा कोसी सहित बिहार केँ लोक संस्कृति पर आधारित सांस्कृतिक कार्यक्रम केँ आयोजन होयत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।