लालू - नीतीश केलनि लोहिया आ जेपी केँ विचारक संग विश्वासघात : पप्पू यादव

पटना। 31 अगस्त। पटना के श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल म' जन अधिकार पार्टी (लो) के अस्थापना दिवस समारोह सह जनाधिकार दिवस केँ मौका  पर आयोजित संकल्प सभा क' संबोधित करैत जन अधिकार पार्टी (लो.) केँ संरक्षक आर सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहला कि राजनीतिक सत्ता आर सामाजिक सम्मान हासिल करबाक लेल सभ मुसलमान, दलित आर अति पिछड़ा वर्ग केँ एकजुट होयबाक जरुरत अछि। दलित आर मुसलमान सभ केँ एक - दोसर क' गला लगबे परत। डॉ बाबासाहेब आंबेडकर संवैधानिक व्यवस्था केँ तहत दलित सभक लेल आरक्षण केर व्यवस्था केलनि। ओहि आरक्षण के कारण आय दलित सभ केँ आर्थिक सशक्तिकरण आर सामाजिक सम्मान केँ अवसर भेट रहल अछि।

सांसद पप्पू यादव संकल्प आर आजादी शब्दक व्याख्या करैत कहला कि पार्टी गरीब, वंचित आर उपेक्षित वर्ग सभक मान - सम्मान आर स्वाभिमान केँ संकल्प लैत अछि। पार्टी पूंजीपति, उद्योगपति, रियल एस्टेट, दलाल, बेईमान सभक आतंक केँ राजनीति सँ आजादी चाहैत अछि। पप्पू यादव कहला कि जाति, धर्म आर महजब के संकीर्णता केर राजनीति समाप्त होबाक चाही। धर्म के नाम पर शोषण समाप्त होबाक चाही। देश केँ अर्थव्यवस्था बदैल रहल अछि।जाति आधारित व्यवसाय बदैल रहल अछि। एहि लेल जाति प्रथा सेहो खत्म होबाक चाही। बिना एहि केँ विकास संभव नै अछि।

आगा ओ कहला कि राजद प्रमुख लालू यादव व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जयप्रकाश, लोहिया, कर्पूरी ठाकुर, जगदेव प्रसाद केँ विचारक संग विश्वासघात केलनि। ओ विचारक संग सौदाबाजी केलनि। नीतीश कुमार शराबबंदी के नाम पर अप्पन राजनीति चमका रहल छैथ, अप्पन  प्रतिबद्धता देखा रहल छैथ। मुदा इए प्रतिबद्धता समान शिक्षा आर  अनिवार्य शिक्षा केर लेल किएक नै देखबैत छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने