45 शराबि नेपाल म' गिरफ्तार, नेपाल म' सेहो बिहारक लोग क' नै भेटत शराब

रक्सौल। 31 अगस्त। बिहार तेँ बिहार आब पड़ोसी देश नेपाल म' सेहो बिहारक लोग केँ शराब भेटब मुश्किल भ' रहल अछि। बिहार म' पूर्ण शराबबंदी कारण सँ लोग शराब पीबाक लेल नेपाल जायत छलाह, मुदा खबर भेटल कि नेपाल पुलिस बिहार सँ पहुँचल सभ शराबी केँ गिरफ्तार करि जेल भेज रहल अछि। सोमवार दिन बिहार केँ 45 शराबी केँ नेपाल पुलिस गिरफ्तार केलनि। जे भागबाक प्रयास केलनि हुनकर जैम केँ पिटाई भेल। कैल्ह मंगल दिन जखन सभ शराबी केँ होश आयल तेँ पुलिस सभ सँ जुर्माना वसूललनि आर दुबारा शराब पीबाक लेल नेपाल अयबा पर  पाबंदी लगेलनि।

बिहार के बॉर्डर बला इलाका सँ शुरू भेल एहि अभियान केँ तहत कैल्ह मंगल दिन धरी 48 शराबी केँ गिरफ्तार कायल गेल। जाहि मेँ 3 वीरगंज आर 45 बिहार केँ नागरिक छला। वीरगंज पुलिस इनरवा, नगवा, छपकैया समेत कैको इलाका मेँ ई ऑपरेशन शुरू केना अछि।


पर्सा जिला के एसपी कहला कि ई अभियान मित्र राष्ट्र केँ पुलिसक नाते चलाओल गेल। बिहार सरकार नेपाल म' चली रहल अवैध शराब व बिहार केँ शराबी सभक गतिविधि पर रोक लगेबाक मांग केना छल। नेपाल पुलिस सीमा क्षेत्र म' अवैध शराब निर्माण केर खिलाफ सेहो अभियान चला रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ