जमुई मेँ सड़क हादसा, बेलगाम ट्रक लेलक पाँच कांवरि केर जान

जमुई। 26 जुलाई। जमुई जिलाक चकाई केँ धौघट पुल लग तेज रफ्तार ट्रक द्वारा सड़क बगल मेँ ठाढ़ 13 कांवरि क' दाबबाक समाद भेटल अछि। एहि हादसा म' 5 कांवरिया केर मृत्यु भ' गेल छैन्ह आ 8 कांवरिया गंभीर रुपे  घायल बताओल जे रहल अछि। धायल कांवरिया क' सदर अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि।

एहि हादसा शिकार सभ कांवरिया पश्चिम चंपारण जिलाक बेतिया केँ पिपरहिया आ सिमरीमान गामक बताओल जे रहल अछि। सब कांवरिया  दे‌वघर सँ पूजा करि वापस आबैत छलाह।

हादसा मेँ हिनका सभक मृत्यु भेलन्हि;
चन्द्रिका मुखिया
हरेन्द्र मुखिया
रामबाबू शर्मा
सुरेश बैठा
शैलेन्द्र प्रसाद

हादसा मेँ घायल कांवरिया;
धनंजय मुखिया
विजय साव
बाबूलाल मुखिया
शंकर मुखिया
भरत कुमार
पूजा चौधरी
गुप्तचन्द साव
गणेश मुखिया

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ