दरभंगा। 26 जुलाई। कुशेश्वरधामक गली - गली कैल्ह सावनक पहली सोमवारी दिन बोल बम आ हर हर महादेव सँ गूंजैत रहल। भोर सँ साँझ धरी सहरसा, सीतामढ़ी, समस्तीपुर, दरभंगा, सहित कैको जिला सँ हजारो - हजार केर संख्या म' शिवभक्त स्थानीय शिवगंगा मेँ स्नान करि कड़ा सुरक्षा केँ बीच बाबा भोलेनाथ केर पूजा कयलनि।
श्रद्धालु सभक सुविधा लेल न्यास समिति सभ छोट - पैघ वाहन केर परिचालन आसमा केँ आगू बंद करौलनि। ताकि, भीड़ पर नियंत्रण कायल जे सके। संगहि मंदिर परिसर सँ पूरा बाजार मेँ जगह-जगह काफी संख्या मेँ पुलिस बल तैनात कायल गेल छल। मंदिर परिसर मेँ सेहो दर्जनों महिला आ पुरुष पुलिस बल क' तैनात कायल गेल छल।
मंदिर म' लागल सी.सी.टीवी केँ मॉनीटीरिंग थानाध्यक्ष राकेश कुमार खुद करैत नज़र अएलाह। एसडीओ सह न्यास समिति अध्यक्ष मो. शफीक, डीएसपी सुरेश कुमार, इंसपेक्टर गोपाल मंडल सेहो मंदिरक जायजा लेलन्हि। सहरसा केँ रघुनंदन शर्मा, विवेक कुमार, समस्तीपुर केँ प्रेम पासवान कहला कि ओ सब सपरिवार विगत तीस बरख सँ बाबा कुशेश्वरनाथ केँ पूजा करबाक लेल आबैत छलथि। एहिठाम सच्चा मोन सेँ पूजा केला पर लोगक सभ मनोकामना पूरा होइत छैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।