इंड टाइम प्रोफेसिस २९ जुलाई क दुनिया समाप्त हेबै के भविष्यवाणी केलैन्ह.

भारत २६ जुलाई:- एक बेर दुनिया तबाह हेबाक भविष्यवाणी फेर कएल गेल जी हाँ साल दू साल नै आबै बला मात्र दू दिन बाद मतलब २९ जुलाई क दुनिया समाप्त हेबाक दाबा इंड टाइम प्रोफेसिस केलैन्ह अइछ इ संस्था अपन भविष्यवाणी में कहलैन्ह जे पृथ्वीक चुम्बकीय ध्रुब के पलटला स आपदाक शुरुआत हेत आ एही स धरतीक जीवन समाप्त भ जेतइ.

एही स पहिनो इंड टाइम प्रोफेसिस के एक भविष्यवाणी में कहल गेल छलै की ६ मई क एक उल्का पिंड धरती स टकरेत आ एही के अलावा कहल गेल छल की बराक ओबामा जल्दी खुलाशा करता की ओ एंटी क्राइस्ट छैथ आ इ भविष्यवाणी बाइबिल के कहानी स प्रेरित छै.

एही भविष्यवाणी के अंजाम देबै बला एजेंसी  इंड टाइम प्रोफेसिस कहैत ऐच्छ की एखने स यू ट्यूब पर आ अर्मगेड्डोन समाचार के माध्यम स सब ठाम आगाह करै में जुटी गेल छी  आ सब के एक सन्देश भेज रहल छी जाहि में एक रिकार्डेड विडियो क्लिप सेहो रहै छै, ओना एही एजेंसी  इंड टाइम प्रोफेसिस के सब टा भविष्यवाणी सरासर गलत साबित भेल छैक.


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ