सासाराम। 13 जुलाई। बिहार केर सासाराम में चलैत मोटरसाइकिल में बिस्फोट भेला स चालक के दर्दनाक मौंत घाटनास्थले पर भ गेलैन्ह आर दू आदमी के कनिक चोट सेहो लगलैन्ह जिनक स्थीती खतरा सं बाहर अइछ रोहतास जिला के पुलिस कप्तान मानवजीत सिंह ढिल्लो एही वारदात के पुष्टी केलैन्ह आ बतेलैन्ह जे दुपहरिया में करीब ढाई बजे इ बिस्फोट सासाराम के सिविल कोर्ट के मेन गेट के सामने बाहर पुरना जी टी रोड पर भेल, पुलिस कप्तान मानवजीत सिंह ढिल्लो के मुताविक सुजुकी मोटरसाइकिल केर सिट के निचा राखल डेटोनेटर में बिस्फोट भेल जाहि स इ घटना भेलै, पुलिस के मुताबिक मृतक के पहचान सचिन नाम के ब्यक्ति के रूप में कैल गेल आ पुलिस घटना के जाँच में जुटी गेल छैथ आ आस पास में अलर्ट जारी क देलखिन्ह।।
सासाराम कोर्ट के बाहर मोटरसाइकिल बिस्फोट
Sanjeeb Kumar Jha
0
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।