
मीडिया रिपोर्ट के मानी त खबैर अइछ की पीड़िता एफआइआर दर्ज करबा देल गेल अइछ आ अनुमंडल के पुलिस अधिकारी आई रवि दिन एही घटनाक पुष्टी केलैन्ह आ रिपोर्ट के अनुसार पीड़िता आरोप लगबैत कहली जे हुनक पति गुजरात में मजदूरी करैत अइछ ,घटना के राइत में आरोपी घर घुसी निर्वस्त्र क क पिटाई केलक एही के बाद आरोपी मुँह में पेशाव करै के कोशिश केलक आ आगू बात बढ़बै पर हत्या के सेहो धमकी देलक.
पीड़िता के अनुसार दबंग डायन हेबाक शक में हुनका संग एहेन ब्यवहार केनाइ बतेल गेल, बतेल जा रहल अइछ ओहि गावँ में किछु लोक बीमार पैर गेल छैथ ओहि लेल हुनका डायन बता क एहेन घिनौना काज के अंजाम देलक आ घटना के बाद सब आरोपी फरार बतेल जा रहल अइछ आ पुलिस एही मामला में आरोपी के खिलाप केश दर्ज क क खोजी रहल अइछ आ तिन दिन पहिने गावँ छोरल पीड़िता महिला के पुलिस सुरक्षा देबाक बात कहलैन्ह.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।