नव दंपति सुतल रहैथ होटल में आ तेंदुआ आबि गेल दम्पति हिम्मत देखा बाथरूम में केलैन्ह कैद.

तल्लीताल हल्द्वानी 31 जुलाइ:- तल्लीताल के हल्द्वानी रोड लग माँ वैष्णोदेवी मंदिर के पासक शशि होटल में भोरे भोरे पौने पाँच बजे एक टा तेंदुआ खिरकीक शिशा तोइर क होटल के रूम में घुशी गेल जतय एक नव दंपति अपन गहरा नींद में सुतल रहैथ बता दी की ओहि दम्पत्तिक बियाह बीतल किछ समय पहिने भेल छल,तेंदुआ के अबैक आवाज सुनी दंपति के नींद खुजल त सामने तेंदुआ देखेल ओकर बाद दम्पति कहुना क कम्बल ओढ़ी क ओकर गतिबिधि पर नजर बनेने छलाह आ तेंदुआ रूम में चहलकदमी क रहल छल आ एक बेर खिरकी के पास बाहर निकलै लेल आयल त सरक पर लोक देखेलै फेर वापस रूम में आयल आ गलती स बाथरूम में चैल जेल तखने दंपत्ति उठल आ फट स बाथरूम के दरबज्जा बंद क ज होटल प्रबंधक के सुचना देलक फेर सुचना भेटैत बन बिभागक कर्मी एलाह लेकिन ताबत तक तेंदुआ बाथरूम के खिरकी तोइर जंगल दिस भागी गेल छल.
मेरठ के निवासी पर्यटक सुमित राठौर आ हुनक पत्नी शिवानी होटल शशि में रूम संख्या 235 में ठहरल छलाह आ सुमित बतेलैन्ह जे पौने पाँच बजे रूम के शिशा टुटल आ जाबत किछु समझी ताबत सामने तेंदुआ नजैर आयल ओ तेंदुआ करीब सवा साल के छल आ माँ वैष्णो देवी के कृपा स जान बचल.

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ