सहरसा। 26 जुलाई। कोसी केँ जल स्तर म' उतार-चढ़ाव सँ तटबंध केँ भीतर कैको स्थान पर कटाव जारी अछि।नवहट्टा प्रखंड केँ विरजाइन, केदली पंचायतक छतवन आ केदली म' लगभग दुइ दर्जन घर नदी मेँ समा गेल अछि।
सलखुआ प्रखंडक कामता डीह टोला मेँ बाढ़िक पैन घुईस गेल अछि। जखन की तटबंध केँ भीतर कैको कच्चा बाट पर पैन ऐला सँ आवागमन अवरूद्ध भ' गेल अछि।
सहरसा-मानसी रेलखंड पर फनगो हॉल्ट लग कटावनिरोधी काज चालु अछि। एहि रेलखंड पर आय दोसरो दिन गाड़ियां नै चलल। गाड़ि सभक नै चलला सँ लोग सभ केँ बहुत परेसानी भ' रहल छैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।