बरौनी मेँ फेर सँ शुरू होयत यूरिया केर उत्पादन, मोदी मंत्रिमंडल देलक मंजूरी

बरौनी। 14 जुलाई। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केर अध्यक्षता बला केन्द्रीय मंत्रिमंडल द्वारा तीन बंद उर्वरक इकाइ केर पुनरोद्धार केँ मंजूरी देल गेल अछि। तीनो उर्वरक इकाइ केँ क्षमता ₹12.7 लाख टन प्रतिबरख अछि।

कैल्ह बुध दिन केन्द्रीय मंत्रिमंडल द्वारा  गोरखपुर, सिन्द्री आर बरौनी केँ तीन बंद यूरिया संयंत्र केर पुनरोद्धार प्रस्ताव केँ मंजूरी द' देल गेल अछि। एहि तीनो संयंत्र पर ₹18,000 करोड़ टक्का खर्च अएबाक अनुमान अछि।

एखन फर्टिलाइज कॉर्पोरेशन इंडिया लिमिटेड (एफसीआईएल) केँ सिन्द्री (झारखंड) आर गोरखपुर (उत्तर प्रदेश) केर यूरिया संयंत्र बंद अछि, जखन की हिन्दुस्तान फर्टिलाइजर्स कापरेरेशन लिमिटेड (एचएफसीएल) केँ बरौनी (बिहार) केर यूरिया कारखाना मेँ उत्पादन ठप अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने