बिहार टॉपर स्कैम मेँ एक आर खुलासा, रोल नंबर 2, छात्र 1, पहिने फेल, बाद मेँ पास

पटना। 14 जुलाई। बिहार टॉपर स्कैम मेँ एक आर अहम खुलासा भेल अछि। पाई देला पर बच्चा राय फेल छात्र केँ फर्स्ट डिवीजन सँ पास करवा दैत छलाह। बच्चा राय एहेन 42 छात्र सभ केँ को पास करेलाह। आब एसआईटी ओहि सभ छात्र सेँ पूछताछ करत।

बच्चा राय केँ वैशाली स्थित विशुन राय कॉलेज सेँ 42 एहेन छात्र पास भ' गेल छल जे एक बेर फेल भेल छल। जांचक दौरान ई खुलासा भेल अछि कि एक छात्रकेँ दुई बेर रजिस्ट्रेशन कराओल गेल छल। ओहि सभ छात्र केँ दुई रोल नंबर सेहो भेटल। एक रजिस्ट्रेशन पर सभ छात्र फेल भ' गेलाह आर दोसर पर सभ फर्स्ट क्लास सेँ पास।

जांच केँ दौरान पता चलल कि एक रोल नंबर पर असली आर दोसर पर   स्कॉलर छात्र बैसैत छल। जिनका सभक नाम एके समान होयत छल। बोर्ड केँ अधिकारि सभ सेँ  सादा दस्तावेज पर हस्ताक्षर करवा लेल जायत छल। फेर मनमुताबिक छात्रकेँ परीक्षा हॉल मेँ बैसाओल जायत छल।

पटना केँ एसएसपी मनु महाराज एहि केँ पुष्टि केलाह कि वैशाली केँ विशुन राय कॉलेजक 42 छात्र पर एसआईटी केर टीम शिकंजा कसत। एहि सभ  छात्रक खिलाफ पुलिस केँ पास अहम साक्ष्य अछि। छात्र सभ सेँ पूछताछ के बाद बहुत रास खुलासा होयत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ