पटना। 22 जून। पटना केर नजदीक साहेबगंज इंटरसिटी एक्सप्रेस म' कैलह राति अपराधी सभ द्वारा लूट के घटना के अंजाम देल गेल अछि। चलैत ट्रेन म' एकाएक हड़कंप तखन मचल जखन एक बोगी म' तीन अपराधी पिस्टल तानी के ठाढ़ भ' गेल छल। सभ अपराधी द्वारा यात्री सभ क' जान स' मारबाक धमकी द लगभग एक दर्जन यात्रि केर जेबी खाली करबैत सभक मोबाइल फोन लुइट गेल।
जानकारी के मुताबिक़ जहि यात्री सभ के लुटल गेल ओहि में बेसी यात्री भागलपुर आर पटना के छलाह। अपराधी द्वारा सभ यात्री सँ नगदी आर मोबाइल फोन लूटल गेल अछि। अपराधी सब बाढ़ स्टेशन पर ट्रेन म' घुसल आर ट्रेन के रफतार पकैरते लूटपाट करब सुरु क' देलक। लुटेरा सभ एक-एक यात्री केर तलासी ल' ट्रेन के जंजीर खींच फरार भ' गेलाह। एहि सम्बन्ध म' फतुहा जीआरपी लग मामला दर्ज कराओल गेल अछि। जीआरपी द्वारा कहल गेल जे अपराधियों के जलदे पकैर लेल जायत। एहि घटना के बाद साहेबगंज इंटरसिटी सँ सफर करनिहाह लोक सभ म' डर उत्पन भ' गेल छैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।