बिहार टॉपर्स स्कैम: 14 दिन में 19 गिरफ्तारी



पटना 22 जून।  बिहार टॉपर्स स्कैम मामल में पिछल 14 दिनक जांच पड़ताल में एखन  तक 19 आरोपि के गिफ्तारी भ चुकल अछि ! जाहिमे बोर्ड कs पूर्व अध्यक्ष लालकेश्वर प्रसाद सिंह, जदयू कs पूर्व विधायक उषा सिन्हा आर वीआर कॉलेज कs प्रिंसिपल बच्चा राय भी शामिल छैथ ! एसआईटी कs हवाल सs आ मीडिया रिपोर्टकs मुताबिक ई आंकड़ा 100 से पार भी जा सकैत अछि .पूरा  मामला में खुलासा एखन बाकी अछि .

कहिया भेल किनकर गिरफ्तारी

9 जून : पांच आरोपी गिरफ्तार जाहिमे इंटर काउंसिल कs सेक्शन अफसर शंभूनाथ दास, क्लर्क रंजीत मिश्रा, मूल्यांकन केंद्र कs निदेशक विशेश्वर यादव, गणित टीचर संजीव कुमार सुमन आर जीए इंटर कॉलेज कs  प्रिंसिपल शैल कुमारी

11 जून : वीआर कॉलेज हाजीपुर कs संचालक बच्चा राय गिरफ्तार

12 जून : पटना कॉलेज कs  एडहॉक प्रोफेसर अजित शक्तिमान आर संस्कृत शिक्षा बोर्ड कs  क्लर्क संदीप झा गिरफ्तार

13 जून : गांगा देवी महिला कॉलेज कs स्टॉफ देव नारायण सिंह गिरफ्तार

15 जून : बोर्ड कs पूर्व अध्यक्ष कs पीए और नियोजित शिक्षक अनिल कुमार गिरफ्तार

18 जून : वीआर कॉलेज हाजीपुर कs प्रोफेसर आर ट्रस्ट कs सदस्य वीणा सिंह गिरफ्तार

19 जून : मुजफ्फरपुर कs आरबीबीएम कॉलेज कs प्रिंसिपल कुमारी शंकुलता, ट्रस्टी आर शिक्षिका रीता कुमारी, निशु देवी आर नंद किशोर यादव पकड़ल गेल 

20 जून : लालकेश्वर, पत्नी उषा सिन्हा आर रिश्तेदार प्रभात जायसवाल के एसआईटी गिरफ्तार कएलक !

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ