सीतामढ़ी। 22 जून। रंगदारी के लेल मुंशी कए हत्या कs बाद सs निर्माण एजेंसिय सब में दहशतकs माहौल अछि . निर्माण एजेंसी कs मजदूर राता - राति डरक़ कारण सs गायब भ चुकैल छैथ, जाहि कारण सs पूल निर्माणकs काज ठप पड़ी गेल अछि !
सोमवारकs सीतामढ़ी के मेजरगंज मे लक्ष्मण कंस्ट्रकशन नामक पुल निर्माण एजेंसी कs मुंशी के दिन दहाड़े अपराधि सब रंगदारी के लेल गोलि से छलनी कs देलक , जाहि के बाद सs दहशतकs आलम कायम अछि .
सीतामढ़ी कs मेजरगंज में लक्ष्मण कन्ट्रक्शन कंपनी तकरीबन सौ करोड़ कs लागत सs तीन ठाम पूल निर्माण कs रहल अछि है , लेकिन तीनों ठाम पर स मजदूर दहशत कs कारण सs राता - राति काज छोड़ चली गेला!
कहल जा रहल अछि कि निर्माण एजेंसी के मालिक के एक माह पाहिले रंगदारी के लेल फोन एल रहे, एतबे नै रंगदारी नै देबाक हालत मे निर्माण एजेंसी पर बदमाश सब आबिक गोलीबारी सेहो केने छल, एही कs सूचना स्थानीय पुलिस के सेहो देल गेल छल, लेकिन पुलिस प्रशासन एही बातके गंभीरता सs नै लएलक.
फिलहाल घटनाकs बाद सs जिला प्रशासन सब निर्माण स्थल पर सुरक्षा उपलब्ध देने अछि, लेकिन मजदूरों में दहशतकs माहौल व्याप्त अछि, आर काज करे के लेल सेहो तैयार नै भ रहल छैथ !
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।