बिहार म' आय सँ शुरू होयत 'प्रधानमंत्री उज्जवला योजना', 100 बीपीएल परिवार क' भेटत मुफ्त एलपीजी कनेक्शन

पटना। 27 जून। बिहार म' आय सँ बीपीएल परिवार क' मुफ़्त एलपीजी कनेक्शन देबाक उद्देश्य सँ  प्रधानमंत्री उज्जवला योजना केर शुरुआत भ' रहल अछि। पटना के एसकेएम हॉल म' केंद्रीय पेट्रोलियम मंत्री धर्मेन्द्र प्रधान आय एहि योजना केर शुरुआत 100 बीपीएल परिवार क' मुफ़्त एलपीजी कनेक्शन द' के करता। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अगला  3 बरख म' 5 करोड़ बीपीएल परिवार क' मुफ़्त एलपीजी कनेक्शन देबाक लक्ष्य राखने छैथ।

ओना ते उत्तर प्रदेश के बलिया म' प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एहि योजना के शुरुआत पहिने क' चुकल छैथ। आय से ई योजना बिहार म सोहो शुरू भ' जायत। प्रधानमंत्री जीक सपना हर गरीब परिवार में एलपीजी पहुंचेबाक छैन्ह।

बिहार म' एहि योजना केर शुरुआत आय सँ होयत। एहि कार्यक्रम केर शुभारम्भ केंद्रीय पेट्रोलियम मंत्री धर्मेन्द्र प्रधान करताह। कार्यक्रम म' केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद, राधामोहन सिंह, राजीप प्रताप रूडी, रामबिलास पासवान, उपेन्द्र कुशवाहा समेत बहुत रास केंद्रीय मंत्री उपस्थित रहताह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ