बिहार टॉपर्स घोटालाः रूबी राय 8 जुलाई तक न्यायिक हिरासत में, खगड़िया के कृति भारती टॉपर घोषित

पटना। 27 जून। फर्जी तरिका सँ टॉपर बनल रूबी राय क' 8 जुलाई तक न्यायिक हिरासत म' भेजल गेल अछि।  शनि दिन रूबी राय के गिरफ्तार कायल गेल छल आर रवि दिन साँझ के हुनका सीजेएम के घर पर पेश कायल गेल छल, एहिठाम सँ हुनका न्यायिक हिरासत म' भेज देल गेल छल।

एहि के संग ई मामला म' राजनीति तेज भ' गेल अछि। किछ नेता द्वारा रूबी राय के गिरफ्तरी के गलत मानल गेल अछि। केंद्रीय मानव संसाधन राज्य मंत्री उपेंद्र कुशवाहा रूबी राय केर गिरफ्तारी ल' के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर खूब बरसला।

शनि दिन बिहार बोर्ड के तरफ सँ आयोजित री-एग्जाम देबाक लेल पहुँचल रूबी के जवाब देखि के  एग्जामिनर हैरान भ' गेल छलाह। एहि के बाद हुनका तुरंत गिरफ्तार क' लेल गेल छल। बिहार बोर्ड द्वारा रूबी राय केर रिजल्ट रद्द क' देल गेल अछि।

बिहार इंटर टॉपर घोटाला के सच सामना अएलाक बाद खगड़िया के कृति भारती क' आर्ट टॉपर घोषित कायल गेल अछि। बिहार परीक्षा समिति के द्वारा कैलह रवि दिन जारी लिस्ट म' कृति भारती इंटर के आर्ट्स म' बिहार म' पहिल  स्थान प्राप्त केलीह। एहि सँ पहिने जारी रिजल्ट म' 408 अंक हासिल कराइ बाली  कृति बिहार म' दोसर स्थान पर छलीह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ