पूर्णिया: शौच करबाक लेल गेल महिला संग दुष्कर्म, बेहोशीक हालत म' खेत म' भेटलि

पूर्णिया। 27 जून। पूर्णिया। जिलाक  बड़हरा कोठी थाना इलाका म' महिला सँ सामूहिक दुष्कर्मक सामना आयल अछि। जानकारी के अनुसार शौच लेल निकलल महिला के संग दुई लड़का दुष्कर्म करी बेरहमी सँ पिटलाक बाद  बेहोशी के हालत म' हुनका खेत म' फेंक फरार भ' गेलाह।

प्राप्त जानकारी अनुसार बड़हारा थाना इलाके के रहिवासी एक बिवाहित महिला शौच लेल गेलीह पहिने सँ राह जोहैत दू युवक महिला क' पकड़ के मुंह बंद करी केरा केर खेत म' ल' जेका हुनका संग दुष्कर्म केलाह।

पीड़िता केर द्वारा विरोध केला पर दुनु आरोपि हुनका खुम मारलकैंन आर  बेहोशी के हालत म' केरा केर खेत म' फेंक फरार भ' गेलनि। बहुत देर तक महिला के घर नै पहुंचला पर हुनकर मां हुनका खोजबाक लेल निकली, बेटी क' केरा के खेत म' बेहोश पड़ल देख जोर - जोर सँ चिकरलखिंन तखन जे क' सब ग्रामीण जमा भेलनि। बाद मे ग्रामीण सभ मिल एकर सूचना पुलिस क' देलखिन। सूचना पाबैते मौका पर पहुंच पुलिस पीड़िता के बयान पर पीड़िता क' मेडिकल जांच लेल सदर अस्पताल भेज दुनु आरोपि के खिलाफ मामला दर्ज करी जांच में जुट जुटल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ