प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ कनियां जसोदाबेन केँ गाड़ी भेल दुर्घटनाग्रस्त, एक रिश्तेदारक मौत - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 7 फ़रवरी 2018

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ कनियां जसोदाबेन केँ गाड़ी भेल दुर्घटनाग्रस्त, एक रिश्तेदारक मौत

कोटा। 07 फरवरी। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ कनियां जसोदाबेन आय बुध दिन एक सड़क दुर्घटना केँ शिकार भ' गेली। ओ राजस्थानक कोटा मे आयोजित एक बिआह मे शामिल होयबाक बाद वापस गुजरात आबैत रहथिन। इ हादसा चित्तौड़गढ़ लग पारसौली थाना इलाका मे काटूंदा लग भेल।  दुर्घटनाक तुरंत बाद हुनका नजदीकी अस्पताल पहुंचाओल गेल।

एहि हादसा मे हुनकर एक रिश्तेदार वसंतभाई मोदी केँ मौत भ' गेल। बताओल जे रहल अछि कि घायल सभमे नरेंद्र मोदी केँ चचेरे भाई आओर भाभी सेहो शामिल अछि। जसोदाबेन केँ हल्का चोट लागल अछि। प्राप्त खबैर केँ मुताबिक हुनकर इनोवा कार एक ट्रक सँ टकरा गेल। कार मे कुल 7 गोटा सवार छल। हादसा मे ड्राइवर जयेंद्र सेहो घायल भ' गेला। दुर्घटनास्थल सँ जसोदाबेन आओर हुनकर रिश्तेदार सभकेँ एम्बुलेंस सँ अस्पताल पहुँचाओल गेल। पारसौली पुलिस स्टेशन केँ एसएचओ श्याम सिंह कहलनि कि जसोदाबेन केँ एहि हादसा मे कोनो गंभीर चोट नहि आयल अछि।