मिथिला'क बेटी साहित्यकार रंजना झा भेली सम्मानित - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 19 जनवरी 2018

मिथिला'क बेटी साहित्यकार रंजना झा भेली सम्मानित

नई दिल्ली। 19 जनवरी। [मिहिर कुमार झा 'बेला'] हालहि मे हँसराज काॅलेज मे भाषा सहोदरी हिन्दी केँ पांचम अन्तरराष्ट्रीय अधिवेशन सम्पन्न भेल। एहिमे बतौर मुख्य अतिथी शरद यादव उपस्थित छला। मंच पर विराजमान सुनील शास्त्री, सी पी ठाकुर, मारीशस सँ आयल राजदूत जे गोवर्धन हँसराज काॅलेज'क कार्यवाहक प्राचार्या डाॅ रमा ठाकुर, न्यूज सनसनी'क एंकर श्रीवर्धन त्रिवेदी, भाषा सहोदरी'क संयोजक जय कान्त मिश्रा आदि लोकनि कार्यक्रम केँ संबोधित केलनि। 

दू पुस्तक आओर एक पत्रिका'क लोकार्पण सेहो भेल, जाहिमे सहोदरी लघुकथा, सहोदरी सोपान आओर सहोदरी पत्रिका मे साहित्यकार रंजना झा केँ कथा'क विमोचन भेल। साहित्य आओर सामाजिक क्षेत्र मे हुनक  अवदान केँ देखैत भाषा सहोदरी दिस सँ साहित्यकार रंजना झा केँ सम्मानित कायल गेल। कार्यक्रम'क अंत मे सम्मान समारोह भेल, जाहिमे सभकेँ प्रतीक चिन्ह आओर प्रशस्ति पत्र देल गेल।