'दहेज मुक्त भारत' लेलक दहेज मुक्त समाज बनेबाक संकल्प - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 2 जनवरी 2018

'दहेज मुक्त भारत' लेलक दहेज मुक्त समाज बनेबाक संकल्प

दिल्ली। 02 जनवरी। [मिहिर कुमार झा "बेला"] केंद्रीय सचिवालय मेट्रो गेट नंबर 4 स्थिति रेल भवन केर ग्राउंड मे दहेज़ मुकत भारत मिशन केँ कर्मी, सेवक सभक एक संयुक्त बैसार दिल्ली एन.सी.आर टीम ल'क' विनय झा केर अध्यक्षता मे पछिला रवि दिन संपन्न भेल। बैसारक संचालन बीरबल यादव केलक।


बैसार मे दहेज़ मुकत भारत मिशन केँ कर्मी, सेवक सभक द्वारा कायल गेल पहिल बैसारक काजक समीक्षा केर तहत संचालित काज सभक विस्तार कोना होयत ओहि पर चर्चा भेल। बैसार मे दहेज मुक्त भारत एन.सी .आर केर अध्यक्ष विनय झा बिहार सरकारक निर्देश केर आलोक मे बाल बिआह व दहेज प्रथा उन्मूलन कार्यक्रम केर सफल संचालन हेतु कला जत्था टीमक प्रदर्शन लेल रूट चार्ट निर्माण पर विशेष चर्चा केलनि।

बैसार क' संबोधित करैत बिनय झा कहलनि कि बाल बिआह व दहेज प्रथा जेहन सामाजिक कुरीति क' जैड़ सँ मेटेबाक लेल कर्मी सभकेँ हरसंभव प्रयाश करबाक अछि। दिल्लीक अलावा ग्रामीण क्षेत्र सभक लोग सभकेँ जागरूक करबाक आओर जागरूकता अभियान जमीन स्तर पर चलेबाक  जरूरत अछि।

बैसार मे वीडियो कॉलिंग केर माध्यम सँ संगठन केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष आनंद झा अप्पन कोर कमिटीक प्रस्ताव क' सेहो सभक समक्ष राखलनि, जाहिकेँ  उपस्थिति सभ सदस्य सर्वसम्मति सँ पास केलनि। आगू बैसार मे जे सभ उपस्थित रहैथ वा जे कियो कुनू कारण बस उपस्थित नहि भ' पेला हुनका सभसँ विचार विमर्श कायल जायत ओहिक बाद सभ सदस्यक समक्ष पूरा जानकारी राखल जायत। ऐहिक बाद सभ सदस्य क' अप्पन - अप्पन काजक अतरिक्त प्रभार द' देल जायत।

बैसार मे आशीष कुमार झा, बिरवल यादव, विनोद कुमार झा, विनय चौधरी जी, शैलेन्द्र कुमार झा, अमर कांत झा, मिंटू कुमार झा, अनीश कुमार झा, निशांत झा, मिहिर झा, आशुतोष कुमार झा, राज नारायण झा, राम सागर यादव, दुर्गा नन्द गिरी, रमांनाद भारती, लछमन झा, विनोद कुमार राय, राजू झा ,बिनय झा सहित कैको समाजसेवी उपस्थित छला।