दरभंगा म' प्रेमी जोड़ा पर पंचायत केर कहर, गाम छोड़बाक देलनि आदेश - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 6 अक्तूबर 2017

दरभंगा म' प्रेमी जोड़ा पर पंचायत केर कहर, गाम छोड़बाक देलनि आदेश

दरभंगा। 06 अक्टूबर। दरभंगा के लोआम गाम म' एक प्रेमी जोड़ा क' पंचायत द्वारा तुगलकी फरमान सुनबैत प्रेमी जोड़ा क' गाम सँ बाहर निकैल जेबाक सजा सुनाओल गेल। पंचायतक मोन एहि स' नहि भरल त' प्रेमी जोड़ा स'10 हजार टाका आओर हुनकर मदैद करे बला स' 50 हजार टाका जुर्माना सेहो वसूली केलनि। एतबे नहि प्रेमी के पिता क' भड़ल पंचायत म' कान पकड़ी उठक बैठक कराओल गेल।

दरअसल वसी अहमद अप्पन गामक दिलसाद साहिन स' प्रेम करैत रहथिन, दुनू के प्यार परवान चढ़ल त' दुनू भागीके बिआह क' लेलनि, जे पूरा ग्रामीण क' नागवार गुजरल। एक बरख बाद जखन प्रेमी जोड़ा अप्पन गाम लोआम वापस आयल त' लोग सभ जोड़ा के खूब पिटाई केलनि। कुनू तरहे जान बचा भागल प्रेमी दरभंगा के डीएसपी दिलनवाज़ सँ लिखित म' शिकायत करैत अपनहि माँ बाप स' अप्पन जान केर रक्षाक गुहार लगौलनि। 

मामला केर गंभीरता क' देखैत डीएसपी दिलनवाज़ अहमद पुलिस सुरक्षा म' प्रेमी जोड़ा क'घर पहुंचा पूरा घटना के जांचक आदेश देलनि अछि।