51 शक्ति पीठ केर विवरण
1. किरीट शक्तिपीठ :- किरीट शक्तिपीठ, पश्चिम बंगाल के हुगली नदीक तट लालबाग कोट पर स्थित अछि। एहेन मान्यता अछि कि एहिठाम सती माता के किरीट यानी शिराभूषण या मुकुट गिरल छल। एहिठामक शक्ति विमला अथवा भुवनेश्वरी आओर भैरव संवर्त छथि।
(शक्ति के माने माता के ओ रूप जाहिक पूजा कायल जायत अछि आओर भैरव के माने शिवजी के ओ अवतार जे माता के इस रूपक स्वांगी छथि)
2. कात्यायनी शक्तिपीठ :- कात्यायनी शक्तिपीठ, वृन्दावन, मथुरा के भूतेश्वर म' स्थित अछि। एहिठाम माता सती के केशपाश गिरल छल। एहिठामक शक्ति देवी कात्यायनी आओर भैरव भूतेश छथि।
3. करवीर शक्तिपीठ :- करवीर शक्तिपीठ, महाराष्ट्र के कोल्हापुर म' स्थित अछि। एहिठाम माता सती के त्रिनेत्र गिरल छल। एहिठामक शक्ति महिषासुरमदिनी आओर भैरव क्रोधशिश छथि। एहिठाम महालक्ष्मी के निज निवास मानल जायत अछि।
4. श्री पर्वत शक्तिपीठ :- एहि शक्तिपीठ ल'क' विद्वान सभमे मतान्तर अछि, किछु विद्वान सभक मानब अछि कि एहि पीठक मूल स्थल लद्दाख अछि, जखन कि किछु के मानब अछि ई शक्तिपीठ असम के सिलहट म' अछि जता माता सती के दक्षिण तल्प यानी कनपटी गिरल छल। एहिठामक शक्ति श्री सुन्दरी आओर भैरव सुन्दरानन्द छथि।
5. विशालाक्षी शक्तिपीठ :- विशालाक्षी शक्तिपीठ, उत्तर प्रदेश, वाराणसी के मीरघाट पर स्थित अछि। एहिठाम माता सती के दाहिना कान के मणि गिरल छल। एहिठामक शक्ति विशालाक्षी आओर काल भैरव छथि।
6. गोदावरी तट शक्तिपीठ :- आंध्रप्रदेश के कब्बूर म' गोदावरी तट पर स्थित अछि ई शक्तिपीठ, एहिठाम माता के वामगण्ड यानी बायां कपोल गिरल छल। एहिठामक शक्ति विश्वेश्वरी या रुक्मणी आओर भैरव दण्डपाणि छथि।
7. शुचीन्द्रम शक्तिपीठ :- शुचीन्द्रम शक्तिपीठ, तमिलनाडु, कन्याकुमारी के त्रिासागर संगम स्थल पर स्थित अछि। एहिठाम माता सती के पृष्ठ भागद्ध गिरल छल। एहिठामक शक्ति नारायणी आओर भैरव संहार वा संकूर छथि।
8. पंच सागर शक्तिपीठ :- एहि शक्तिपीठ केर कोनो निश्चित स्थान ज्ञात नहि अछि मुदा, एहेन मान्यता अछि कि एहिठाम माता के निचुलका दांत गिरल छल। एहिठामक शक्ति वाराही आओर भैरव महारुद्र छथि।
9. ज्वालामुखी शक्तिपीठ :- ज्वालामुखी शक्तिपीठ, हिमाचल प्रदेश के काँगड़ा म' स्थित अछि। एहिठाम सती के जिह्वा गिरल छल। एहिठामक शक्ति सिद्धिदा व भैरव उन्मत्त छथि।
10. भैरव पर्वत शक्तिपीठ :- एहि शक्तिपीठ ल'क' विद्वान सभमे मतदभेद अछि। किछु केर मुताविक ई शक्तिपीठ गुजरात के गिरिनार लग भैरव पर्वत त' किछु केर मुताविक मध्य प्रदेश के उज्जैन लग क्षीप्रा नदी तट पर वास्तविक अछि। एहिठाम माता के उफध्र्व ओष्ठ गिरल छल। एहिठामक शक्ति अवन्ती आओर भैरव लंबकर्ण छथि।
11. अट्टहास शक्तिपीठ :- अट्टहास शक्तिपीठ, पश्चिम बंगाल के लाबपुर म' स्थित अछि। एहिठाम माता के अध्रोष्ठ यानी निछलका ठोर गिरल छल। एहिठामक शक्ति पफुल्लरा आओर भैरव विश्वेश छथि।
12. जनस्थान शक्तिपीठ :- जनस्थान शक्तिपीठ, महाराष्ट्र, नासिक के पंचवटी म' स्थित अछि। एहिठाम माता के ठुड्डी गिरल छल। एहिठामक शक्ति भ्रामरी आओर भैरव विकृताक्ष छथि।
13. कश्मीर शक्तिपीठ वा अमरनाथ शक्तिपीठ :- ई शक्तिपीठ जम्मू-कश्मीर के अमरनाथ म' स्थित अछि। एहिठाम माता के कण्ठ गिरल छल। एहिठामक शक्ति महामाया आओर भैरव त्रिसंध्येश्वर छथि।
14. नन्दीपुर शक्तिपीठ :- नन्दीपुर शक्तिपीठ, पश्चिम बंगाल के सैन्थया म' स्थित अछि। एहिठाम देवी के देहक कण्ठहार गिरल छल। एहिठामक शक्ति निन्दनी आओर भैरव निन्दकेश्वर छथि।
15. श्री शैल शक्तिपीठ :- श्री शैल शक्तिपीठ, आंध्रप्रदेश के कुर्नूल लग स्थित अछि। एहिठाम माता के ग्रीवा गिरल छल। एहिठामक शक्ति महालक्ष्मी आओर भैरव संवरानन्द छथि।
16. नलहटी शक्तिपीठ :- नलहटी शक्तिपीठ, पश्चिम बंगाल के बोलपुर म' स्थित अछि। एहिठाम माता के उदरनली गिरल छल। एहिठामक शक्ति कालिका आओर भैरव योगीश छथि।
17. मिथिला शक्तिपीठ :- ऐहिक निश्चित स्थान अज्ञात अछि। एहि शक्तिपीठक स्थान ल'क' मतान्तर अछि। तीन स्थान पर मिथिला शक्तिपीठ क' मानल जायत अछि। तीन स्थान म' नेपाल के जनकपुर, बिहार के समस्तीपुर आओर सहरसा शामिल अछि। एहिठाम माता के वाम स्कंध् गिरल छल। एहिठामक शक्ति उमा या महादेवी आओर भैरव महोदर छथि।
18. रत्नावली शक्तिपीठ :- एहि शक्तिपीठक निश्चित स्थान अज्ञात अछि, बंगाज पंजिका केर मुताविक ई शक्तिपीठ तमिलनाडु के चेन्नई म' स्थित अछि। एहिठाम माता के दक्षिण स्कंध् गिरल छल। एहिठामक शक्ति कुमारी आओर भैरव शिव छथि।
19. अम्बाजी शक्तिपीठ :- गुजरात गूना गढ़ के गिरनार पर्वत के शिखर पर देवी अम्बिका के भव्य विशाल मन्दिर अछि, एहिठाम माता के उदर गिरल छल। एहिठामक शक्ति चन्द्रभागा आओर भैरव वक्रतुण्ड छथि।
20. जालंध्र शक्तिपीठ :- जालंध्र शक्तिपीठ, पंजाब के जालंध्र म' स्थित अछि। एहिठाम माता के वामस्तन गिरल छल। एहिठामक शक्ति त्रिापुरमालिनी आओर भैरव भीषण छथि।
(क्रमशः)
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।