इंजन सहित नागपुर-मुंबई दुरंतो एक्सप्रेस के 6 डिब्बा बेपटरी भेल - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 29 अगस्त 2017

इंजन सहित नागपुर-मुंबई दुरंतो एक्सप्रेस के 6 डिब्बा बेपटरी भेल

मुंबई। 29 अगस्त। देश भरी म' एक आओर ट्रेन हादसा केर शिकार भेल अछि। महाराष्ट्र म' आए भोर करीब पौने 7 बजे नागपुर-मुंबई दुरंतो एक्सप्रेस के 5 डिब्बा आओर इंजन बेपटरी भ' गेल। 

बताओल जे रहल अछि कि ई हादसा आसनगांव आओर टिटवाला के बीच भेल अछि। सेंट्रल रेलवे केर मुताबिक एहि हादसा म' किनको घायल होयबाक खबैर नहि अछि। कल्याण सँ एक रेस्क्यू टीम घटना स्थल लेल निकैल चुकल अछि। 

हादसा केर कारणक एखन धरी पता नहि चलल अछि, मुदा आशंका जाताओल जे रहल अछि जे लैंडस्लाइड केर कारण सँ ई हादसा भेल अछि।   एहि हादसा के बाद सेंट्रल रेलवे द्वारा निम्न हेल्पलाइन नंबर जारी काएल गेल अछि:- CSMT- 22694040, ठाणे- 25334840, कल्याण- 2311499, दादर- 24114836, नागपुर- 2564342