0

पटना। 29 अगस्त। मिथिला के कैको जिला म' एखनो बाढ़िक कहर जारी अछि। मिथिला म' बाढ़ि सँ 1.71 करोड़ सँ बेसी केर आबादी एखनो  प्रभावित अछि, जखनकि बाढ़िक चपेट म' अएला सँ मरै बला सभक संख्या प्रतिदिन बढ़ी रहल अछि। पछिला 24 घंटा केर दौरान बाढ़िक चपेट म' अएला सँ 32 लोगक मौत भेल अछि, जाहिसँ बाढ़िक चपेट म' अएला सँ मरै बला सभक संख्या 519 पहुंच गेल अछि।

कैल्ही सोमदिन  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वीडियो कांफ्रेंसिंग के जरिए सभ  जिलाधिकारी सभक संग समीक्षा बैठक केलनि आओर कैको आवश्यक निर्देश देलनि। बिहार राज्य आपदा प्रबंधन विभाग के अनुसार, बाढ़ग्रस्त जिला सभके प्रभावित इलाका सँ आब बाढ़िक पैन उतैर रहल अछि, मुदा एखनो राज्य के 19 जिलाक 187 प्रखंडक 1.71 करोड़ सँ बेसी केर आबादी बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। 

आपदा प्रबंधन विभाग द्वारा सोमदिन जारी आकड़ा केर मुताबिक, राज्य के विभिन्न क्षेत्र म' पछिला 24 घंटाक दौरान बाढ़ि सँ 32 लोगक मौत भेल अछि, जाहि कारण बाढ़ि सँ मरै बला सभक संख्या 519 तक पहुंच गेल अछि।

अररिया म' सभसँ बेसी 96 लोगक मौत भेल अछि, जखनकि किशनगंज म' 25, पूर्णिया म' 45, कटिहार म' 41, पूर्वी चंपारण म' 33, पश्चिमी चंपारण म' 42, दरभंगा म' 37, मधुबनी म' 28, सीतामढ़ी म' 47, शिवहर म' 6, सुपौल म' 16, मधेपुरा म' 29, गोपालगंज म' 20, सहरसा म' 8, खगड़िया म' 10, मुजफ्फरपुर म' 21, समस्तीपुर म' 2 आओर सारण म' 13 लोगक मौत भेल अछि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035