0

सहरसा। 13 जुलाई। कहरा प्रखंड के बनगाँव उत्तरी आओर दक्षिणी पंचातक ग्रामीण सभ द्वारा गाम म' जलनिकासी, जर्जर बिजली तार आओर स्वास्थ्य सेवा म' भारी गिरावट ल'क' पछिला रवि दिन सँ बनगाँव के कलावती उच्च विद्यालय खेल मैदान स्थित शहीद रमन झा स्मारक पर राहुल कुमार झा आओर चमन झा केर नेतृत्व म' शुरू काएल गेल अनिश्चित कालीन अनशनक आए पाँचम दिन अछि। राहुल कुमार झा मुनिनाथ झा, चमन झा, अमरकांत झा, शशिधर ठाकुर, रंजीत भगत आओर दिलखुश पासवान अनिश्चित कालीन अनशन पर बैसल छथि। 
अपने क' बता दी एहि बिच अनशन स्थल पर बीडीओ, सीओ, पीडब्लूडी के एसडीओ सभ पहुँच अनशनकारी सभक मांग पूरा करबाक आश्वासन दैत अनशन तोड़बाक प्रयास कएलनि, मुदा अनशनकारी सभ लिखित रुपसँ आश्वासन नहि भेटबाक कारण एखनहुँ अनशन पर बैसल छथि। 
एहि अनिश्चित कालीन अनशन क' सांसद राजेश रंजन उर्फ़ पप्पू यादव, पूर्व विधायक डा. आलोक रंजन, पूर्व विधायक संजीव झा, पूर्व जिला पार्षद प्रवीण आनंद, समाजसेवी टीपू झा, रालोसपा के जिलाध्यक्ष चंदन बागची, हम के राजन आनंद, भाजपा नेत्री लाजवंती झा, भाजपा नेता मिहिर झा, जहांगीर आलम, रितेश मिश्रा, राघव झा, बौआ झा, पारस झा, अनुराग नंदन के संगे संग समस्त ग्रामवासी केँ समर्थन प्राप्त अछि। ओतहि, प्राप्त सूचनाक मुताबिक़ अनशन क' रहल अनशनकारी सभक मनोबल बढ़ेबाक लेल आए बनगाँव के ग्रामवासी सभ सामूहिक उपवास करथिन।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035