0

लखनऊ। 27 जून। उत्तर प्रदेश म' भाजपा के सरकार बनलाक 100 दिन पूरा बह' गेल अछि। आय मुख्मयंत्री योगी आदित्यनाथ अपन सरकारक कामकाज के ब्योरा पेश करथिन। किछु देर बाद योगी आदित्यनाथ लोकभवन म' एक प्रेस कॉन्फ्रेंस क' संबोधित करैत अपन सरकार के सौ दिनक रिपोर्ट कार्ड सार्वजनिक करथिन। मानल जे रहल अछि जे इए रिपोर्ट कार्ड सरकारक श्वेतपत्र सेहो होयत।

ओना राज्य सरकार अपन सौ दिनक उपलब्धि सार्वजनिक करबाक  तैयारी कैको दिन पहिने शुरू क' देना छल, मुदा कैल्ह सोम दिन ऐहिकेँ  अंतिम रूप देल गेल।

सड़कक मरम्मत, कर्ज माफी, गहूँमक खरीद, गन्ना किसान सभक  बकाया दिएब, समाज कल्याण योजना सभमे बदलाव आदि दर्जनो काज राज्य सरकारक उपलब्धि म' शामिल अछि आओर एहि पर योगी आदित्यनाथ खास फोकस देता। ऐहिक संगे पछिला सरकारक कामकाज सँ तुलना करैत योगी आदित्यनाथ अपन सरकार के सौ दिनक रिपोर्ट कार्ड सार्वजनिक करता।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035