
सहरसा। 24 मार्च। शहर के मारूफगंज इलाका भलहि व्यवसायिक दृष्टिकोण सँ विकसित भ' गेल अछि मुदा एहि इलाका मे लोग सभक आवाजाही कम होयत अछि। इए कारण अछि की बदमाश सभ एहि इलाका के टारगेट बना रहल छथि। कैल्ह गुरुवार दिन लूट के असफल प्रयासक बाद गोलीबारी केर घटना सँ इलाका मे दहशत अछि। एहि इलाका मे अपराधी सभ पहिनो कैको लूटक घटना के अंजाम द' चुकल छथि।
किछु माह पहिने बंका बद्रर्स केर कर्मी सँ बाइक सवार बदमाश सभ टाका सँ भरल झोरा छीन लेना छल। बंका बद्रर्स केर कर्मी सेहो बैंक मे टाका जमा करे जायत छलथि। एहि घटनाक सीसीटीवी फुटेज सेहो पुलिसक हाथ लागल छल। मुदा एखन धरी बदमाश गिरफ्त मे नहि आयल छथि। कहल जे रहल अछि कि पुलिसक गश्ती एहि मार्ग मे बहुत कम होयत अछि। पुलिसक जीप महावीर चौक सँ चांदनी चौक होयत सीधा भारतीनगर दिस चल जायत अछि। एहि मार्ग पर कहियो काल पुलिसक जीप घुमैत अछि। जाहि कारण आपराधिक घटना भ' रहल अछि। उल्लेखनीय अछि कि एहि मार्ग पर डेल कम्प्यूटर शोरूम मे सेहो चोरी भ' चुकल अछि।
कैल्ह केर घटना सीसीटीवी कैमरा मे कैद भ' गेल अछि। जाहिमे बाइक सवार बदमाश एक बैंककर्मी सँ टाका भरल बैग छिनबाक कोशिश करैत देखार द' रहल छथि। बैग छिनबा मे असफल भेला पर बदमाश सभ चारि दफा गोली जाहि मे एक गोली कर्मी के लागल। जख कि टाका सँ भरल बैग कर्मी के बगल मे पड़ल छल जाहि के बदमाश सभ नहि ल' गेलनि। एसडीपीओ सुबोध कुमार विश्वास कहलनि कि नीरज के गोली लगलाक बाद एक आन कर्मी मनोज हुनका कवर करबाक कोशिश केलनि। टाका सँ भरल बैग ओतहि छल मुदा अपराधी गोली माएर भागी गेला जाहि कारण एहि मामला केर गहराई सँ जांच कायल जे रहल अछि। अपराधी सभक पहचान जल्दे करी पहकार्रवाई काएल जायत।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।