0

सहरसा। 24 मार्च। राजेंद्र मिश्र कॉलेज मे आय शुक्रवार दिन दू दिवसीय यूजीसी संपोषित राष्ट्रीय सेमिनार केर शुभारंभ भेल। सेमिनार केर विधिवत उद्घाटन बीएन मंडल विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो. विनोद कुमार दीप प्रज्ज्वलित करि केलनि। कौशल विकास एवं व्यवसायिक शिक्षा पर केन्द्रित राष्ट्रीय सेमिनार क' संबोधित करैत कुलपति कहलनि कि सभ लोग मे स्किल रहैत अछि। जरूरत अछि ओहिके उभारबाक। सकारात्मक सोच सँ स्किल डेवलप होयत अछि। खसकरी युवा सभके अपन भीतर के  उर्जा क' बुझबाक जरुरत अछि। जाधरि अनुशासित भ' अध्ययन, कैरियर, चरित्र वा अपन सेवा केर प्रति सजग नहि रहब ताधरि अहाँ आगू बढ़ी नहि पायब।

प्रो. कुमार प्राध्यापक सभके सलाह दैत कहलनि कि जहिना दिनभरि काज करबाक बाद बिछौन पर सुते जायत छी तेँ काम सँ कम एतबा जरूर आत्म मंथन करि कि अपने आय की कएलहुँ? अपने के खुद ब खुद लागे लागत कि अपने की सही आओर की गलत कएलहुँ। ओहिके सुधारी आगुक सुधि लेल जाऊ। कुलपति सेमिनार केर सफलताक कामना करैत कहलनि कि सेमिनार सँ समाज के एक नव दिशा भेटत। 

प्राचार्य डॉ. पीसी खां आगंतुक अतिथि सभक स्वागत करैत सेमिनार के विषय के सभक समक्ष राखलथि। डॉ. विनय कुमार चौधरी केरसंचालन मे चलल उद्घाटन समारोह मे एमसीआइ सदस्य प्रो. अमर कांत झा अमर  भाषण देलनि। प्रो. झा कहलनि कि युवे टा नहि सभमे कौशल केर विकासक जरूरी अछि। समारोह के यूनिवर्सिटि ऑफ हैदराबाद डीन एजुकेशन डॉ. फैज अहमद, आर्यभट्ट ज्ञान यूनिवर्सिटि के डॉ. विशाल राय, सिंडिकेट सदस्य डॉ. जवाहर झा, डॉ. अरुण खां, डॉ. मृणाल कुमार झा आदि लोकनि संबोधित कएलनि।

दू दिवसीय राष्ट्रीय सेमिनार केर अवसर पर प्रकाशित कायल जेल स्मारिका केर विमोचन कुलपति सहित मंचासीन अतिथि लोकनि कएलनि। एहि मौक़ा पर डायवर्स मीन्स ऑफ मॉडर्न कम्यूनिकेशन पुस्तक केर लोकार्पण कुलपति कएलनि। एहिसँ पहिने कॉलेज केर छात्रा  पूजा, आकृति, खुशबू, आरती, पूर्णिमा, चांदनी, रानी, नीतू, सपना, प्रीति, शहनाज सभ स्वागत गान गाबि अतिथि सभक स्वागत कएलनि। समारोह मे प्राचार्य डा. केपी यादव, डॉ. रेणु सिंह, डॉ. केएस ओझा, प्रो. मुकेश कुमार सिंह, प्रो. शिव नारायण यादव सहित डॉ. अंजना पाठक, डॉ. जगन्नाथ ठाकुर, डॉ. अनिल कांत मिश्र, प्रो. ललित नारायण मिश्र, डॉ. राजेन्द्र झा, डॉ. हीराकांत मिश्र, डॉ. तारानंद सादा, डॉ. रंधीर कुमार पांडेय, प्रो. अक्षयवट ठाकुर, प्रो. विनोद मोहन जायसवाल, प्रो. सुमन कुमार झा, प्रो रेवती रमण झा, डा. केसी झा, डॉ. एसपी झा आदि भाग लेलनि।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035