सुरक्षा बलक ठिकाना मे आगि लगेबा सँ भारत - नेपाल सीमा पर तनाव

सुपौल। 24 मार्च। भारत आओर नेपाल सीमा पर एक बेर फेर हालात तनावपूर्ण अछि। ई स्थिति नेपाली नागरिक सभ द्वारा कथित तौर पर सीमा सुरक्षा बल के एक झोपड़ा मे आगि लगेबा सँ उत्पन्न भेल अछि। ई  घटना सीमा सँ सटल कंबोजनगर इलाका मे घटल अछि। एहि इलाका मे रहनिहार भारतीय नागरिक सभके आशंका छैन्ह कि हालात आओर बिगैर सकैत अछि आओर नेपाली भीड़ सीमा पर भारतीय किसान सभक खेत मे तैयार फसल के निशाना बना सकैत अछि। 

सीमा सुरक्षा बल के ठिकाना मे आगि लगेबाक घटना मंगलवार राति पीलीभीत जिला के हजारा पुलिस स्टेशन के अंतर्गत भेल। आरोप अछि कि नेपाली नागरिक सभ भारत आओर नेपाल सीमा पर पिलर नंबर 28 आओर 29 लग सुरक्षा बलक ठिकाना मे आगि लगा देलनि। घटना के बाद एसएसबी के डीआईजी एके दास नेपाली अधिकारि सभसँ बातचीत कएलनि आओर सीमा पर नेपाली पुलिस केर चौकी बनेबाक लेल कहलनि ताहि शरारती तत्व केर हरकत पर नजैर राखल जे सके। 

ताजा घटना के बाद जिलाक एसपी देव रंजन अपन नेपाली समकक्ष सँ बातचीत करि आगजनी बला जगह पर संयुक्त पुलिस पिकेट बनेबाक बात कहलनि अछि। एसपी देव रंजन कहलनि पुलिस कुनु भी हालत मे भारतीय किसान सभक फसल के नुकसान नहि होमे देत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने