
बेगुसराय। 23 मार्च। बखरी नगर पंचायत मे करोडों टाकाक घोटाला केर खिलाफ नगर पंचायत बचाओ संघर्ष समिति के बैनर तर आय गुरुवार दिन भ्रष्टाचार विरोधी मार्च निकालल गेल। भ्रष्टाचार विरोधी मार्च केर नेतृत्व सामाजिक कार्यकर्ता विकास वर्मा, अशोक महतो कुशवाहा, लल्लू पटेल, लूना राय, राजकुमार पंडित, विनोद शर्मा, महफूज साफी, अबूल हसन, सन्नी सिंह आदि कएलनि।
एहि मौका पर जगह - जगह नुक्कड सभा सेहो आयोजित कायल गेल। नुक्कड सभा क' संबोधित करैत सामाजिक कार्यकर्ता विकास वर्मा कहलनि कि बखरी नगर पंचायत मे पछिला दू-ढाई बरख सँ सुनियोजित साजिश केर तहत करोडों टाकाक घोटाला के अंजाम देल जा रहल अछि। नियम क' ताक पर राखी बिना टेंडर काज भ' रहल अछि। सामग्रि केर खरीद किछु मनचाहा कंपनि केर माध्यम सँ कायल जे रहल अछि। आओ ओ सरकार सँ एहि घोटाला के जांच लेल एसआईटी गठन करबाक मांग कएलनि।
अशोक महतो कुशवाहा कहलनि कि घोटाले के जांच सँ पहिने मुख्य पार्षद गीता कुशवाहा इस्तीफा दैथ आओर कार्यपालक पदाधिकारी अरविंद पासवान क' सस्पेंड कायल जाय। लल्लू पटेल कहलनि कि कार्यपालक पदाधिकारी केर खिलाफ भ्रष्टाचार निरोधक कानून केर तहत तत्काल एफआईआर दर्ज होबाक चाही। ओतहि लूना राय कहलनि कि बखरी नगर पंचायत आकंठ भ्रष्टाचार मे डूबल अछि। तमाम नियम- कानून सभके ताक पर राखी सरकारी खजाना के लुटल जे रहल अछि।
भ्रष्टाचार विरोधी मार्च रामपुर कारगिल चौक सँ शुरू होयत अंबेडकर चौक, पुरानी बैंक चौक, पुरानी थाना चौक, गोढियारी चौक होयत शकरपुरा ब्लाॅक चौक तक पहुँचल। जाहिक बाद पांच सदस्यीय शिष्टमंडल अनुमंडल पदाधिकारी सुधीर कुमार सँ भेंट करि आठ सूत्री मांग सँ संबंधित मुख्यमंत्री के नाम सँ एक ज्ञापन देलनि। अनुमंडल पदाधिकारी ज्ञापन मुख्यमंत्री धरी पहुंचेबाक बात कहलनि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।